मधुबनी जिला के मधेपुर प्रखंड में दू गुटक बिच तनाव के …..

दिनांक २८/०६/२०१७ दिन बुधवार को अखिल भारतीय विद्यार्थी के जिला संयोजक गीतेश झा , प्रेस विज्ञप्ति करैत कहलैन विगत दिन मधुबनी जिला के मधेपुर प्रखंड में दू गुटक बिच तनाव के स्थानीय प्रशासन बेवजह तूल दs निर्दोष छात्र आ युवा सब पर एकपक्षीय करवाई कअ अपन चरित्र उजागर केलक . सामान्य घटना पअ एकपक्षीय कारवाई कय गंभीर आरोप लगाओल गेल । विद्यार्थी परिषद् द्वारा ई कारवाई के घोर निंदा करैत अछि।ई घटना कहीं ने कहीं स्थानीय उपदर्वी तत्व आ स्थानीय प्रशासन के  मिली भगत के नतीजा अछि ।

 जिला संयोजक जी कहलैन जे बाजार बंदी के सूचना चैम्बर ऑफ़ कॉमर्स के अध्यक्ष आ सचिव स्थानीय प्रशासन के तुरंत कियाक नै देलक  से गंभीर प्रश्न खड़ा करैत अछि कहीं ने कहीं चेम्बर ऑफ़ कॉमर्स के अधिकारी सभक साजिश के तरफ इशारा करैत अछि । विद्यार्थी परिषद्  स्थानीय प्रशासन सँ आग्रह करैत कहलैन की एकपक्षीय कारवाई नै कअ  असल अपराधी आ संलिप्त व्यक्ति के पहचान कअ अपन गिरैत साख आ जनता में फैलल असंतोष के भावना के शीग्र दूर करबाक प्रयास करबाक चाही , दुनू पक्ष सँ शांति बनाब के अपील करता,  साथे आपसी रंजिश सँ क्षति होईत अछि से दुनि पक्ष के समझाबै के प्रयास केलैन।