दहेज मुक्त मिथिलाक वास्ते महाभियान भेल पूराः सन्दर्भ मैराथन-१ आ चमत्कारिक प्रभाव

मैराथन धावक आर के दीपक पूरा कएलनि बिरौल सँ दरभंगा धरिक ६० किलोमीटर केर रन फर दहेज मुक्त मिथिला दौड़

दरभंगा, जून १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

पूर्व घोषित कार्यक्रम ‘रन फोर दहेज मुक्त मिथिला’ बिरौल केर जेके कालेज सँ दरभंगाक मिथिला विश्वविद्यालय स्थित चौरंगी धरिक करीब ६० किलोमीटर केर दौड़ ‘मैराथन-१’ केर रूप मे पूरा भेल। धावक आर के दीपक सहित करीब २ दर्जन युवा, बच्चा, वृद्ध आ महिला तथा पुरष सब कियो दौड़ लगेलनि। जतय धावक आर के दीपक भोरे ३ बजे सँ निरन्तर १२ बजे धरि दौड़ लगबैत रहलाह, ओत्तहि अन्य सहयोगी धावक लोकनि सेहो यथासंभव दौड़ लगौलनि आ धावक दीपक संग नारागान करैत लोकमानस मे दहेज मुक्त मिथिलाक नारा केँ अपनेबाक आह्वान करैत रहलाह। ‘दहेज भगाउ, बेटी बचाउ’ – दहेज हँटाउ – बेटी बचार – न दहेज लेबय, न दहेज देबय, कन्या भ्रूण हत्या बन्द करू, लैंगिक विभेदक अन्त करू, इत्यादि नारा सहित ई मैराथन दौड़ लगबैत बढैत रहलाह।

शुभारंभ बिरौल अनुमंडलाधिकार मो. सफीक द्वारा राति ११ बजे

बिरौल अनुमंडलाधिकारी मोहम्मद सफीक द्वारा रोजा केर पवित्र मास में भोरे ३ बजे हरी झंडी देखेबाक समय मे संयोजक मुखियाजी संतोष मिश्र मार्फत उद्घाटन समय केँ बदलिकय राति ११ बजे हरियर झण्डी देखा दौड़ केर आरम्भ करौलनि। एसडीओ मो. सफीक युवा केर उत्साह समाज मे व्याप्त असाध्य समस्या दहेज सँ मुक्ति करेबाक बात देखि प्रसन्नता जाहिर केलनि, सभक खूब प्रशंसा कय एहि मुहिम केँ समाजक सब वर्ग धरि पहुँचेबाक कार्य मे सब तरहक सहयोगक वचन देलनि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा सेहो जे घोषणा भेल अछि जे समाज केँ एहि रोग सँ मुक्त करब ताहि दिशि ई युवा प्रयास देश भरि मे सराहना पेबाक विश्वास प्रकट करैत धावक तथा दहेज मुक्त मिथिला संस्थापक केँ बधाई तथा शुभकामना दैत दौड़ केँ रवाना कएलनि। एहि औपचारिकताक अवसर पर बिरौल प्रखण्ड विकास पदाधिकारी रजत कुमार सिंह, नवटोल मुखियापति सन्तोष कुमार मिश्र, जे के कॉलेज बिरौल केर वरीय लिपिक क्रांति चौधरी, वयोवृद्ध शिक्षाविद् श्री राम सिंहासन मण्डल, युवा अभियानी प्रवीण कुमार नायक, युवा फिल्मकर्मी मनोज शर्मा, दहेज़ मुक्त मिथिला अंतरराष्ट्रीय सन्योजक प्रवीण नारायण चौधरी, महासचिव कुणाल ठाकुर, युवा अभियंता अंकित राय, दमुमि मुंबई सदस्य नवीन झा, फ़िल्मकर्मी जयराम यादव यदुवंशी, कोरियोग्राफर ट्रेनर विक्रांत कुमार, अभियानी दिलीप झा, बैजू मण्डल, धावक दीपक केर जेठ भ्राता के के जुगनू सहित विभिन्न युवा रनर्स मौजूद छलाह। जेके कालेज बिरौल सँ रनिंग आरम्भ भऽ नवटोल गाम मे आर के दीपक केर घर पर आबि अल्पविराम मे परिणति पाबि गेल, पुनः भोरक ४ बजे सँ धावक केर पिता स्व. टी. पी. निराला जिनकर पुण्य तिथि पर ई दौड़ केर आयोजन राखल गेल छल, हुनकर चित्रक सोझाँ अगरबत्ती जरा हुनकर स्मृति करैत पुनः धावकक माय द्वारा तिलक लगबैत मैराथन १ केर दौड़ दरभंगा दिशि प्रस्थान केलक।

धावन मार्ग पर गुंजैत रहल नारा आ चौंकैत रहल लोकः जनजागरण हेतु मैराथन सर्वोत्तम साधन

शिवनगरघाट, जयन्तिपुर, दाथ, होएत बेनीपुर पहुँचैत पूर्ण फरिच्छ भोर भऽ गेल छल। धावक दीपक केर संग बेनीपुर धरि पहुँचैत-पहुँचैत आशीष कुमार मनीष, तुषार कुमार, केके जुगनू, उषा जुगनू, रूबी दीपक, रंजीत कुमार, जयराम यादव यदुवंशी, मनोज शर्मा, कुणाल ठाकुर, विक्रांत कुमार अंकित राय, दिलीप झा, निशा भारती, मनीषा भारती, कविता कुमारी, कल्पना कुमारी, जयदीप कुमार, कुलदीप कुमार, सोनू कुमार, भवानी भारती, नवीन झा, बैजू मण्डल, प्रवीण नारायण चौधरी सहित स्थानीय जनमानसक कतेको रास लोक सब सेहो धीरे-धीरे दौड़ लगा रहल छलाह, संगहि दहेज मुक्त मिथिलाक नारा ‘दहेज हंटाउ, बेटी बचाउ’ सँ चारूकात ठाढ उत्सुक दर्शक सब केँ अपन जनजागरण अभियानक जनतब दैत रहलाह। ई क्रम धरौड़ा मोड़ धरि जारी रहल। पुनः धावक दीपक अपन धावन मार्ग पर निरन्तर अग्रसर बढैत रहलाह। रास्ता भैर हुनकर स्वागत आ सत्कार स्थानीय लोक सब करैत रहल। जगह-जगह नुक्कड़ सभा आ विचार गोष्ठी आदिक आयोजन होएत रहल। ग्रामीण महिला, पुरुष, छात्र, छात्रा आ युवा – युवती सब संग सामूहिक नारा आ दहेज विरुद्ध एकजुटताक आह्वान करैत रहलाह धावक व अन्य सहभागी मैराथन दौड़ाहा लोकनि।

समापन सभा मे प्रेस मीट आ सांगीतिक कार्यक्रमक प्रमुखता

माधोपुर, नाहर बन, देकुली चट्टी, सोनकी, धोइ घाट, गंज चौक, होली क्रास, दरभंगा रेलवे स्टेशन, विद्यापति सेवा संस्थान, आकाशवाणी होएत डेनवी रोड देने ई कारवाँ सीधे विश्वविद्यालय भीतर स्थित चौरंगी पर जा कय समापन सभा मे परिणति भऽ गेल। समापन सभा मे साहित्यकार मणिकान्त झा, समाजसेवी एवम् राजनीतिकर्मी मुरारी मोहन झा, युवा समाजसेवी सचिन राय सहित दर्जनों अन्य स्थानीय महिला तथा पुरुष सज्जनवृन्द धावक आर के दीपक सहित समस्त मैराथन सहभागी केँ स्वागत एवम् सत्कार कएलनि। एहि सँ पूर्व दरभंगा मे प्रवेश विन्दु पर सोशल मीडियाक चर्चित लेखक तथा मिथिलाक जानल-मानल सहयोगी तथा विचारक प्रवीण कुमार झा स्वयं सब केँ स्वागत करैत धावक एवम् सहभागी प्रत्येक अभियानी केँ पेयजल, छाछ, कोल्ड ड्रिंक आदि पिया अल्प विश्रामक व्यवस्था कएलनि। समापन सभा मे लगभग प्रत्येक टेलिविजन चैनल तथा अखबार आदिक संचारकर्मीक उपस्थिति देखल गेल। धावक आर के दीपक, सहभागी बाल-बालिका धावक एवम् महिला धावक सब सँ साक्षात्कार करैत दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक सह अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी एवम् राष्ट्रीय महासचिव कुणाल ठाकुर सँ सेहो प्रेस द्वारा साक्षात्कार करैत संछिप्त सांगीतिक समारोह एवम् धन्यवाद ज्ञापनक संग मैराथन १ केर समापन भेल छल।

एहि अवसर पर साहित्यकार मणिकान्त झा जिनका लोक आशुकविक रूप मे सेहो जनैत छथिन, ओ अपन द्रुत सृजन सँ रचल रचना मार्फत धावक तथा अभियान केँ सराहना करयवला चुमाओन गीत गाबि सभक मन केँ जीत लेने छलाह। गायिका सुनीता देवी, गायक पारस पंकज एवम् तबलावादक दीपक केर प्रस्तुति सब सेहो थाकल मैराथन धावक व सहयोगी सभक स्वागत मे विलक्षण विश्रामक बोध करौलक। समापन सभाक संचालन दमुमि महासचिव कुणाल ठाकुर कएलनि, तहिना धन्यवाद ज्ञापन प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा धावक सहित सहभागी समस्त सहयोगी-अभियानी व आगन्तुक अतिथि लोकनिक कएल गेल छल। मुख्य अतिथि मुरारी मोहन झा तथा अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा फूलक माला आ बुके दय धावक आर के दीपक, मनोज शर्मा व अन्य केँ सम्मानित करैत एहि सभाक अन्त कएल गेल।

मैराथन १ केर मुख्य उपलब्धि कि सब रहल

मिथिला केर युवा केँ स्वसंकल्प सँ मांगरूपी दहेज़ केर बहिष्कार करबाक तथा समाज केँ पूर्ण दहेज़ मुक्त बनेबाक लेल तैयार रहबाक आह्वान केर संग मैराथन धावक आर के दीपक बिरौल से दरभंगा धरिक लगभग ६० किलोमीटर दौड़ लगौलनि। धावन मार्ग मे विभिन्न चौक चौराहा पर नुक्कड़ सभा, नारा तथा विचार गोष्ठीक माध्यम सँ एहि दौड़ केर विषय पर चर्चा सेहो कएल गेल। कहल गेल जे सामाजिक एकजुटता सँ एहि रोग केर निदान सम्भव अछि, जेना तीन संझू बरियाती भोजन मे कटौती कय एक संझू बना देल गेल। लोक सब सँ दहेज़ मुक्त मिथिला लेल सब जाति, धर्म, वर्ग और समुदायक लोक केँ जोड़ैत एकटा निगरानी परिषद् गठन कय दहेज़ लोभी सब पर नजर रखबाक लेल अपील कएल गेल, संगहि दहेज मुक्त विवाह करनिहार केँ सामूहिक यशगान करबाक सेहो अपील कएल गेल।

मैराथन दौड़ मिथिला मे पहिल बेर आ सहभागिता मे देखल गेल उत्साह

संभवतः मिथिला मे एहेन दौड़ केर आयोजन पहिल बेर भेल छल। ताहू मे सामाजिक विषय दहेज प्रथाक विरुद्ध कएल गेल एहि दौड़ केर लक्ष्य लोक-समाज मे जनचेतनाक जागृति छल। धावक आर के दीपक केर पिता स्व. टी. पी. निराला केर सपना छल जे अपन मातृभूमि सँ ई व्यवस्था खत्म भऽ जाय, अतः धावक ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर बैनर अन्तर्गत मैराथन १ केर घोषणा कएने छलाह। एहि महत्वपूर्ण घोषणा मे हुनकरा संग आ उत्साह देनिहार अपन पूरा परिवारक अतिरिक्त विभिन्न समाजसेवी, राजनीतिकर्मी आ सरकारी पदाधिकारी लोकनिक संग-संग सामाजिक संजाल सँ चौतर्फा सहयोगक वचन देल गे रहनि। नेपाल, मुम्बई, मधुबनी, दरभंगाक विभिन्न क्षेत्र सँ अनेकानेक लोकक सहभागिता सेहो उत्साहवर्धक आ आर के दीपक केर घोषणाक समर्थन मे अति सराहनीय छल।

धावक केर संग दौड़ लगेनिहार मे स्वयं धावक ७ आ ८ वर्ष केर २ बच्चा सहित पत्नी, भाउज, भतीजी सहित हुनकर ९५ वर्षक बूढ़ बाबा सेहो शामिल भेलाह। कहल जाएत छैक न जे पत्नीं मनोरमां देहि मनोवृत्तानुसारिणीं – बिल्कुल तहिना धावक दीपक केर धर्मपत्नी रूबी दीपक हुनकर मनोबल बढेबाक लेल कतेको किलोमीटर धरि संगे दौड़ लगेली। धावक लेल पेयजल, एनर्जल, नेबो-पानि, संतोला, केरा, कौफी, मिठाई सहित दहेज मुक्त मिथिलाक सक्रिय सदस्य नवीन झा जे मुम्बई सँ आयल छलाह हुनकर योगदान सेहो अपूर्व रहल। तहिना बिठौली सँ आयल अभियानी अंकित कुमार राय द्वारा संचार क्षेत्र केँ एक-एक मिनट केर स्थिति अपन कैमरा मार्फत फोटो-विडियो सँ कराओल जाएत रहल। युवा अभियानी व सहयोगी प्रवीण कुमार नायक द्वारा रास्ता मे कोन स्थान विश्राम देल जाय ताहि संग दरभंगा मे सभा स्थलक तैयारी कय केँ एहि महाभियान मे सहयोग देल गेल। धावकक समर्थन आ सहयोग मे तत्पर फिल्म अभिनेता जयराम यादव यदुवंशी एवम् कोरियोग्राफर (डान्स स्कूल संचालक) विक्रान्त कुमार द्वारा सेहो धावन मार्ग मे लोक-समाज संग सक्रिय सहकार्य करैत महत्वपूर्ण सहयोग प्रदान कएलनि। एहि मैराथन केँ पूरा करबा मे सन्दिप युनिवर्सिटीक संयोजक धनंजय झा केर योगदान तथा मुम्बई सँ आयल कुणाल ठाकुर द्वारा द्रुत गति सँ सब व्यवस्थापनक संग सोशल मीडिया मार्फत कार्यक्रम केँ हाईलाइट करबाक अनेकानेक कार्य संयोजन काबिले तारीफ भेल। तहिना नेपाल सँ पधारल अभियानी दिलीप झा धावक दीपक संग अधिकांश समय दौड़ैत हुनकर मनोबल केँ बढबैत रहलाह। सब कियो एक-दोसर केँ समर्थन आ सहयोग देबाक अत्यन्त विलक्षण आयोजनक रूप मे मैराथन – १ अत्यन्त सफल रहल।

मीडिया केर रहल अत्यन्त सकारात्मक सहयोग

ओना त ई आयोजन पहिने सँ सोशल मीडिया मार्फत सभक दृष्टि मे आनल गेल छल, तथापि ग्राउन्ड जीरो दरभंगा शहर – जिला मुख्यालय मे आयोजनक रूप पूर्वहि सँ निश्चित नहि कएल जा सकल छल। अन्त समय मे व्यवस्थापन पक्षक महत्वपूर्ण संयोजक केर बाध्यकारी परिस्थितिक कारण प्रेस कान्फ्रेन्स सँ लैत धरातलीय संयोजन कार्य सब कोनो रूप नहि लय सकल छल। परञ्च चमत्कारित ढंग सँ मीडियाक सपोर्ट धोइघाट सँ भेटब शुरु भऽ गेल छल। संयोग एहेन रहय जे धावक घातक धूप सँ आहत भऽ गाछक छाहैर मे विश्राम करय लगलाह, पसीनाक बहाव एतेक अधिक भऽ रहल छल जे एक बेर त भय भऽ गेल सब केँ जे आब ई काज अधूरा नहि छूटि जाएक…. लेकिन ताहि समय धावक मे नव स्फूरणा अनबाक लेल बैद्यनाथधामक कमरिया केँ उत्साहित करयवला नचारी ‘बड़ नीक लागय छै बाबा के डगरिया, लाल रंग कामर छै लाल रंग कमरिया’ केर सामूहिक गान कएल जाय लागल छल। ताहि समय एकटा गाड़ी आबि जिज्ञासा करैत रुकैत अछि जे केकरो किछु भेल त नहि…. मुदा विषय पर विस्तार सँ जनलाक बाद ओ सब कियो अपन-अपन कैमरा निकालिकय धावक सहित सहभागी धावक सब सँ साक्षात्कार कएलनि, पुनः समापन सभा मे एबाक वचन देलनि। फेर दोनार चौक सँ लैत पूरा रस्ता धरि विभिन्न चैनल द्वारा लाइव सूटिंग सेहो कएल गेल छल। आकाशवाणी दरभंगाक समक्ष एक बेर फेर कतेको रास चैनल सब आबि अभियान केर बारे वृहत् चर्चा कएलनि। एहि सब मे कनेक देरी त भेल, परञ्च १२ बजे करीब मे चौरंगी पहुँचला पर पुनः दर्जनों चैनल केर पत्रकार लोकनिक उपस्थिति आह्लादकारी छल। पूर्ण निष्ठाक संग कएल गेल एहि कार्यक्रम मे जतेक संचारकर्मीक उपस्थिति देखल गेल, एहि सँ पूर्व कम्मे कोनो कार्यक्रम मे भेल होयत कहबा मे कोनो हर्ज नहि।