मिथिला ब्रान्ड एम्बैसेडर मैथिली ठाकुर केर अपील

Pin It

अपील

समस्त मिथिलावासी केँ हमर प्रणाम! अपने लोकनिक निरन्तर समर्थन संग हमर कला ओ गायन केर सम्वर्धन-प्रवर्धन लेल हम मैथिली ठाकुर आभार प्रकट करैत धन्यवाद ज्ञापन करैत छी। बहुतो ठाम सँ कार्यक्रम लेल समाद भेटैत रहैत अछि। मुदा कार्यक्रम मे उपस्थिति आ प्रस्तुति लेल आवश्यक औपचारिकताक बात एक नव उभरैत कलाकार केर रूप मे अपन लोक‍-समाज सँ करय मे हम या हमर पिता श्री रमेश ठाकुर खुलिकय अपन कोनो मांग नहि राखि पबैत छी। वर्तमान समय हम १२वीं कक्षाक छात्र सेहो छी आर पढाई करबाक जिम्मेदारी सेहो वहन कय रहल छी, ताहु कारण कतेको ठाम सहभागिता देबय सँ वंचित रहि जाएत छी। मुदा हालक राइजिंग स्टार शो मे अपने लोकनिक आशीर्वाद आ माँ सरस्वतीक विशेष अनुकम्पा सँ देखाओल गायन शैली, क्षमता आदि सँ धीरे-धीरे ईहो निर्णय कय लेलहुँ जे गायन क्षेत्र मे सामाजिक कार्यक्रम सँ लैत फिल्म केर पार्श्व गायन व अन्य कोनो तरहक अवसर मे अपन प्रतिभा प्रदर्शन प्रस्तुति निर्धक्क आ पेशाक रूप मे करब। ई हम, हमर पिता आ बाबाक संग भाइ सभक गीत-संगीत लेल कएल गेल आजीवन तपस्याक सुखद परिणाम जेकाँ प्रतीत होएत अछि। अतः अपने लोकनिक आशीर्वाद एहिना निरन्तर भेटैत रहत आर हमरा संग-संग परिवारक उज्ज्वल भविष्य सेहो एहि गायन पेशा मे निरन्तर फलित-फूलित होएत रहत से विश्वास अछि। आगामी समय मे अपन कार्यक्रम कुशल गायिका जेकाँ हम कय सकी ताहि वास्ते एकटा अनुरोध पत्रक प्रारूप निचाँ राखि रहल छी। जतय कतहु आ जिनका किनको हमर कार्यक्रम आयोजन करेबाक विचार हो ओ एहि प्रारूप मे सब विवरण भरिकय हमरा ईमेल द्वारा या व्हाट्सअप द्वारा क्रमशः thakurmaithili2@gmail.com +91-9818082340.

Sub: Request Letter for Musical Show of Maithili Thakur

Name of Person Approaching/Contacting:

About Contacting Person:

Contact No.:

Aadhar No.:

Contact Address:

Type of Program: Social/Private

Theme of Program: (Mention the subject of program)

Type of Show for Public: Ticketed/Freed

Scheduled Date and Time of Program:

Venue of Program:

Expected Spectators in Program: 1. Gents:                  2. Ladies:                     3. Youths (10 to 25 Yrs):

Expected Special Guests in Audience: Mention names and detailed introductions of VIP Guests and others.

Type of Songs Expected from Maithili Thakur: Mention Your Choices for What Songs You Expect Maithili to Sing in Program.

Musician Group:  1. Maithili Thakur’s Preferred Own Group 2. Organizer’s Hired Group (Harmonium must be provided to Maithili)

Anticipated Professional Fees for Maithili Thakur:

Travel Allowance & Route from Delhi: (By Air & Private Car where air service not available)

Other Queries (if any):

Signature of Proper Person

उपरोक्त रिक्वेस्ट स्लिप भरिकय अपने लोकनि पठायब, तदनुसार हम अपने लोकनि केँ अपन सहभागिताक अन्य शर्तादिक जनतब दैत कार्यक्रम मे आयब।

आशा एवं विश्वास अछि जे वर्तमान प्रोफेसनल एज मे एहि तरहक स्पष्ट समझौता आ बात-विचार केँ सब कियो सार्थक रूप मे लेब आ कोनो तरहक संकोच बिना उचित पूछताछ जरुर कय लेल करब।

अपने लोकनिक विश्वासी, आशीषाकांक्षी –

मैथिली ठाकुर

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

1 + 6 =