डाइर्भसन सँ टकरायल कार छ: घायल , दु गोटे गंभीर रूप सँ घायल..

Pin It

      खजौली , मधुबनी 08/05/2017

करमौली डाइभर्सन पुलक नीचा जा पलटल कार , छ: व्यक्ति घायल ,दु गोटे गम्भीर रुप सँ घायल भs गेला । बहुतों बेर अत भs चुकल अछि यही रास्ता पर एहन तरहक घटना । हताहत होयबाक सूचना नहीं अछि । प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार बरातीक कार फूल स्पीड में कलूआही तरफ़ सँ आयाल । फेर अचानक कार चालक के पुल देखाई देलक , जाबेतक कार के कंट्रोल करैत कार अनियन्त्रित भs पुल के नीचा जा पलटि गेल । स्थानीय लोकसभक बड मशक्कत सँ घायल व्यक्ति सबके  कार सँ बाहर निकालक । जखन इ घटनाक जानकारी खजौली थाना सँ पूछल गेल तs वो अहि घटनाक पुस्टी केलक । वो बतौलैन जे घटनाक सुचना मिलते मातर हमर सब टिम घटनास्थल पर पहुँचलौ । परंतु वोत: पहुँचलाक बाद कार आ घायल सवारी घटनास्थल पर नहीँ छल । स्थानीय लोक सब सँ, पता चलल कि घटना वाला कार बरातीक छल । जे पुलिस के पहुँचs सँ पहिले घायल व्यक्ति के निजी अस्पताल में लs गेल । 

 जानकारी देबs चाहब जे करमौली चौक सँ १०० मीटर पश्चिम नहरक ऊपर पुल बनल अछि। जे कलूआही सँ आबैत समय में सड़क , नहर सँ बिल्कुल नज़दीक बायां तरफ़ तीव्र मोड़क साथ पुल पर वाहन के चढ़ाबए पड़ैत अछि, जे की बहुत खतरनाक अछि । कोनो भी अनजान ड्राइवर अपना वाहनक बचा नहीँ पाबैत अछि । बता दि की बहुत साल पहिलो सेहो बराती गाड़ी वोतय पलटल छल जाही दु व्यक्तिक  मौत भs गेल रहे ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 6 =