मिथिला-गौरव डा. संदिप झा – सन्दिप युनिवर्सिटीक संस्थापक

Pin It

व्यक्तित्व परिचय

– राजकुमार झा, मुम्बई

“मिथिला-गौरव डाॅ. संदिप झाजी”

मिथिलाक श्रेष्ठताकें शिक्षा जगतमे यशस्वी प्रदान केनिहारक सूचिमे अनेकों मूर्धन्य सिरमौर मैथिलवृन्द समर्पित योगदान दैत मिथिलाक गौरवक यशवर्द्धन करैत आबि रहला अछि । परमादरणीय डाॅ. संदिप झाजी मिथिलाक कीर्ति-पताकाकें भारतवर्षक शिक्षा-जगतमे विशिष्ट योगदान देनिहार प्रबुद्ध व्यक्तिक सूचिमे स्वयंकें समानांतर प्रस्तुत करैत मिथिलावासीक गौरव एवं प्रतिष्ठाकें नव ऊँचाई प्रदान कयलनि अछि । स्वभावमे विनम्रता, संस्कारमे सूचिता, शब्द-भावमे आत्मियता तथा कर्मक्षेत्रमे कठोर समर्पणकें धारण करैत महाराष्ट्रक भूमि पर “संदीप यूनिवर्सिटी” केर स्थापना कय नव कीर्तिमान स्थापित करैत तथा मिथिलाक पावन भूमि मधुबनी जिलान्तर्गत “सिजौल” गाँवमे यूनिवर्सिटीक स्थापना कय माइट-पाइन पर रहनिहार युवा-वर्गक भव्य-भविष्य व चरित्र निर्माण हेतु मिथिलावासी सदैव हिनक योगदानकें नमन करैत रहत ।

वस्तुतः मिथिलाक माइटक महान उर्वरताक परिणाम थिक जे एहि भूमि द्वारा एकसँ एक देदीप्यमान नक्षत्र अपन रश्मि-किरण केर माध्यमें जगमग-जगमग केनिहार प्रभामंडलक आभासँ मिथिलावासीकें निरंतर प्राप्त होइत आबि रहल अछि । सम्पूर्ण मैथिल समाज एहि रत्नकें हृदयसँ अभिनंदन करैत गौरवक अनुभव कऽ रहला अछि । जय श्री हरि ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 3 =