मिथिलालोकक आर्थिक समृद्धि हेतु लोककलाकारक बैसार

मई ७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

लोहना मे भेल लोककलाकारक बैसार
 
– डॉ. रामसेवक झा के रिपोर्ट
 
आइ लोहना पाठशाला परिसरमे लोककलाकार क बैसार डा• सतीरमण झाक अध्यक्षतामे भेल । जाहिमे कटिहारसॅ आएल मुख्य अतिथि श्री सुकुमार सिंह झा लोककलाकार लोकनिक एक पञ्चीकृत संगठन बनेबाक हेतु भारत सरकार सॅ जोगार तकनीकी पर बल देलनि। एहि हेतु एक प्रस्ताव पारित क अधिकाधिक कलाकार के चिन्हके जुटेबाक प्रयास कएल जाए आ मुखिया अशोक कुमार साहु आ अमल कुमार झाकेॅ एकरा हेतु अधिकृत कएल गेल ।
 
अन्तर्राष्ट्रीय व्यापार संगठन ओ यूनेस्को क्लबसॅ जुड़ल मधुबनीक कल्पना सिंह जनतब देलनि जे मिथिला पेन्टिग क विश्व स्तरीय व्यापार सॅ जुड़क लेल पञ्जीयनक आवश्यकता छैक । लोहनाक नूतन झा अपन उत्कृष्ट कलाकृति क प्रदर्शन क कलाकार के स्वावलंबी बनबाक लेल प्रोत्साहित कएलनि । पाहीक शैलजा मिश्रा एपलिकक विभिन्न आकर्षक रूप बनेबाक विधिसॅ सखी लोकनिकेॅ परिचय दियौलनि । महिला प्रतिभागी मे अरुणा मिश्र, शारदा देवी, लता झा ,ममता ठाकुर, अनुराधा झा आदि मिथिला पेन्टिड़्ग ओ कटाई सिलाई क द्वारा जीविकोपार्जनमे उचित मूल्य क अभाव देखौलनि ।
 
सरौताक कलाकृति ल घुरन ठाकुर प्रशंसनीय रहला । सिक्कीक कलाकृति क प्रदर्शन जशुमनजीक देखि स्थानीय कलाकार क प्रोत्साहन क चर्चा भेल । सौरभनाथ झाक चित्रकारी जीवन्तताक प्रमाण मानल गेल । अपन अध्यक्षीय भाषण मे डा• सतीरमणझा लोककलाकारक समुचित सहयोग ओ सम्मान लेल समाज क विशेष दायित्व ओ संगठन क आवश्यकता देखबैत मैथिल महिलाक योगदान क विस्तार सॅ चर्चा कएलनि । संयोजक अमल कुमार झाक संचालन मे एहि तरहक आयोजनक कलाकार लोकनि मुक्त कण्ठे प्रशंसा कएलनि ।