मैथिली ठाकुर पहुँचि गेली ‘राइजिंग स्टार फिनाले’ मे

Pin It

अप्रैल १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! 

भारत सहित दुनियाक विभिन्न देश मे देखल जा रहल लोकप्रिय टैलेन्ट शो – कलर्स टेलिविजन केर राइजिंग स्टार आब करीब-करीब अन्तिम निर्णायक विन्दु धरि पहुँचय लागल अछि। बीतल शनि ओ रवि दिन सूपर ६ मे व सूपर ५ केर मुकाबला देखबाक लेल भेटल। एहि दुनू दिन गोल्डेन टिकट टू फिनाले केर प्रतियोगिता सेहो निर्धारित छल। मिथिला केर गौरव केँ देश ओ विश्व केर सोझाँ अपन स्पष्ट आ आत्मविश्वास सँ भरल स्वर मे आगू बढेनिहाइर मैथिली ठाकुर शुरुए सँ प्रखर प्रदर्शन कय रहली अछि आर शो केर निर्णायक सहित देश भरिक समस्त दर्शक केँ हिनके सँ खिताब जितबाक उम्मीद कएल जा रहल अछि। एहि उम्मीद केँ तखन आरो बल भेटल जखन शनि आ रवि दिन संपन्न सीधे फिनाले प्रवेश केर प्रतियोगिता मे अपन प्रतिद्वंद्वी सँ मैथिली काफी आगू निकैल गेलीह। नियम अनुसार शनि दिन आ रवि दिन केर हाइयेस्ट स्कोरर केँ फिनाले मे प्रवेश कहल गेल छल। शनि दिनक शो मे मैथिली सँ किछेक प्वाइन्ट बेसी पाबि बिक्रमजीत आगू भऽ गेल छलाह, पुनः रवि दिन मैथिली ठाकुर सर्वाधिक स्कोरर बनैत डायरेक्ट टू फिनाले लेल दावेदारी रखली। एवम् प्रकारेन दुनू डायरेक्ट फिनाले कन्टेस्टैन्ट बीच प्रतिस्पर्धा भेल जाहि मे मात्र पब्लिक केर वोटिंग प्रथमतः गानल गेल आर निर्णायक केर मत कोनो एक्के गोट दावेदार केँ देबाक नियम अनुरूप मैथिली ठाकुर केर पक्ष मे वोट पड़ला सँ ओ गोल्डेन टिकट टू फिनाले पाबि आब ऐगला प्रदर्शन मे एलिमिनेशन सँ सेहो बचल रहती, आर सीधे निर्णायक शो मे अपन प्रदर्शन करती। हिनक गायन केर स्तर कहि रहल अछि जे ई खिताब सँ बेसी दूर नहि छथि, परञ्च अन्य कन्टेस्टैन्ट सब सेहो एक सँ बढिकय एक होयबाक कारण मुकाबला काफी कड़ा होयब तय अछि।

सोशल मीडिया सँ लैत अन्य-अन्य मीडिया पर मैथिली ठाकुर केर गायकीक कमाल केर खूब चर्चा चलि रहल अछि। आइ मैथिली ठाकुर बिना कोनो सन्देह स्टारडम हासिल कय लेलनि कहबा मे कोनो अतिश्योक्ति नहि अछि। सबसँ बेसी प्रसन्नताक बात ई जे मैथिली ठाकुर केर आत्मविश्वास हुनक हरेक अभिव्यक्ति सँ छलकैत अछि। कनेकबो गुमान नहि! अत्यन्त सहज आ सरल होयबाक संग-संग ओ सरस मुस्की सेहो धारण कएने रहैत छथि। हुनक प्रदर्शन आ प्रस्तुति सँ साक्षात् एना लागि रहल अछि जेना त्रेता युगक जानकी (मैथिली) स्वयं एहि कलियुग मे सरस्वतीक विशेष आशीर्वाद सहित मिथिलाक नाम रौशन करबाक लेल लोकप्रिय टीवी शो धरि आबि गेली अछि। एहि सँ पूर्वो बहुत रास मैथिल प्रतिभा सब एतेक उच्च मंच धरि पहुँचली, मुदा हुनका सब मे मिथिला आ मैथिली प्रति ओ ललक नहि देखल गेल। कियो अपना केँ संपूर्ण बिहार केर बेटी मानली, कियो मिथिलाक नाम लैतो हिचकिचेली – परञ्च मैथिली ठाकुर ओ पहिल हस्ती बनि मिथिलाक ब्रान्ड केँ चमकेली, एहि वास्ते सम्पूर्ण मिथिला प्रेमी आ मैथिलीभाषी मे हिनकर सफलताक प्रति दिवानगी प्रत्यक्ष देखा रहल अछि। लोक एक-दोसर केँ मोन पाड़ैत रहैत छथि जे कखन आ कोना वोट करबाक छैक मैथिली ठाकुर लेल। निस्सन्देह पिता रमेश ठाकुर एवम् परिजन संग मधुबनीक ओ गाम आ सम्पूर्ण बिहार-भारत सेहो मैथिली ठाकुर केर प्रतिभाक सोझाँ नतमस्तक छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ फिनाले जितबाक शुभकामना अछि।

हरिः हरः!!

पूर्वक लेख
बादक लेख

One Response to मैथिली ठाकुर पहुँचि गेली ‘राइजिंग स्टार फिनाले’ मे

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 4 =