जनकपुरमे मैथिली कथा गोष्ठी सम्पन्न,एकटा पोथीके लोकार्पण काएल गेल।

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।11अप्रैल 2017,मैथिली जिन्दावाद!!

जनकक नगरी जनकपुरधाममे (मंगल दिन) 11अप्रैल क एकदिवसीय दीवा मैथिली कथा गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि।मैथिली विकास कोष केर आयोजनामें क मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्रप्रसाद विमलक प्रमुख आतिथ्यमेआ मैथिली विकास कोष केर अध्यक्ष जीवनाथ चौधरीक सभापतित्वमे जनकपुरक रामानन्द चौक स्थित रहल होटल सीता पैलेसक सभागारमे नेपाल आ भारतक मिथिलाके कथाकार सभद्वारा कथा वाचन काएल गेल छ्ल ।

जाहिमे डा.राजेन्द्र विमल,डा रेवतीरमण लाल,वरिष्ठ पत्रकार,साहित्यकार रामभरोष कापडि “भ्रमर”,अयोध्यानाथ चौधरी,रोशन जनकपुरी,मिनापक पुर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक,पत्रकार श्यामसुन्दर शशि,विजेता चौधरीआ युवा कथाकार सुजीतकुमार झा रहथि त भारतक(मिथिला)मधुवनी सँ अजित अजाद,प्रनव नार्मदय आ ऋषि वशिष्ठ जी सहितक कथाकार लोकनि कथा वाचन कएने रहथि। वाचन कएल कथा सभमे समाजिक,राजनीतिक एंव आर्थिक अवस्था,विकृति आ विसंगतिसभ उपर आधारित कथा सभ कथाकार लोकैन वाचन केने रहथि।

कार्यक्रममे युवा कवि बेचन महतो जीक कविता संग्रह “पीडामे परदेश” नामक मैथिली पोथी के विमोचन काएल गेल छ्ल। उद्घाटन सत्रके क्रममे डा.राजेन्द्र विमल,डा.रेवतीरमण लाल,राम भरोष कापडि ‘भ्रमर’,रोशन जनकपुरी,महेन्द्र कुमार मिश्र,अयोध्यानाथ चौधरी आ मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी संयुक्तरूपमे विमोचन छलथि। दु सत्रमे राखल गेल कार्यक्रममे करिब दु दर्जन सँ अधिक कथाकार सभक उपस्थित रहल छल।तहिना कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष अनिल मिश्र,पुरन गुप्ता मनमोहन साह,बटुकनाथ झा,आतिश मिश्र,राजेश कर्ण,मनीष कर्ण तहिना मिनापक कलाकार संगीता देव,अनितारानी, प्रमेश झा,मदन ठाकुर सहित दर्शक सभक उपस्थिति देखल गेल छ्ल।

गोष्ठीमे वाचन कथासभ उपर डा.भोगेन्द्र झा व्यथित,अजित आजाद आ नित्यानन्द मंण्डल समीक्षात्मक टीप्पणी रखने छलाह। कार्यक्रमक संयोजक गीतकार अशोक दत्त केने छ्लथि त उद्घोषण श्यामसुन्दर शशि केने छ्लाह।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

6 + 7 =