फेर सऽ धनुषामे नापी अफिसक़े सर्वेक्षक घुस लैत धराएल

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम‌‍।४ अप्रील २०१७.मैथिली जिन्दावाद !!

दु दिन नै बितैत धनुषामे अख्तियारक टोली एक गोट कर्मचारीके पक्रने अछि।अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक क्षेत्रीय कार्यलय बर्दिबास केर टोली नापी कार्यलय धनुषाक नापी सर्वेक्षक रामलोचन ठाकुरके २२ हजार टाका घुस सहित प्रकाउ केलक अछि।

आयोगक बर्दिबास एसपी राजकुमार लम्सालक नेतृत्वमे खटल टोली मंगल दिन ११बजे दिस सेवाग्राही सँ घुस लैत काल रंगे हात पक्रने छ्ल। यहिं घटना वाद थप अनुसंधान आ भ्रष्टाचार निवारण ऐन अनुसार कामकारबाही अगाडी बढाओल जाइत एसपी लम्साल जानकारी करोलैन्ह। तहिना बितल रवि दिन ३० हजार रुपैया घुस लैत अमीन कृष्ण जोशीके पुलिस पक्रने छ्ल।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

4 + 2 =