मिथिलाक आधुनिक विभूतिः अभिनेता नरेन्द्र झा

साभारः विकास झा द्वारा ‘हम सब मैथिल छी’ फेसबुक ग्रुप पर कएल गेल पोस्ट (जहिनाक तहिना)

मिथिला धरोहर: मूल रूप सँ मधुबनी जिला के कोयलख मे शिक्षक परिवार मे जन्म लेनिहार नरेन्द्र झा एखन धरि बहुते रास धारावाहिक और फिल्म मे अभिनय क चुकल छथि। हिनक प्रारंभिक शिक्षा दीक्षा पटना मे आ उच्चतर शिक्षा दिल्ली मे सम्पन भेलनि। जेएनयू, नई दिल्ली सँ इतिहास मे एमए केला के उपरान्त श्री राम सेन्टर मे कलाकर्क रुप मे अपन कला प्रदर्शन वास्ते दाखिल भेलनि। १९९६ मे एबीसीएल द्वारा फ़िल्म मे मुख्य भूमिका के लेल हुनकर चयन कायल गेल । ओ बड़का पर्दाक संगे छोटका पर्दा पर सेहो अपन अभिनय सँ दर्शक के दिल मे अपन एकटा अमित छाप छोड़ने छथि। ओ बहुते रास शोज़ मे नजर आबि चुकल छथि, जहिमे प्रमुख अछि – छूना है आसमान, चेहरा, एक घर बनाऊंगा, कैप्टन हाउस, जय हनुमान।

नरेन्द्र झा छोटका पर्दा के सीरियल हवन के हरी ओम बापजी के नाम सँ जानल जाइत अछि। संगे ‘हमने ली है शपथ’ मे एसीपी करणवीर, ठेफ्ट ऑफ बगदाद मे शीर्षक किरदार, और एहिके अलावा आम्रपल्ली (दूरदर्शन), रावण (ज़ी टीवी), आदि धारावाहिक मे काज क चुकल छथि। एखन एण्ड टीवी पर प्रसारित धारावाहिक ‘बेगुसराय’ मे ठाकुर के भूमिका निभा रहल छथि। एखन धरि हुनका द्वारा अभिनित फ़िल्म अछि – जी वी अय्यर के ‘शान्तला’ (२००१), ‘फ़ंटूश’ (२००२), तेलुगु फ़िल्म ‘छत्रपति’ (२००२), ‘नेताजी सुभाष चन्द्र बोस’ (२००४), ‘कच्ची सड़क’ (२००५), शेखर झा के ‘एक दस्तक’

अभिनेता सन्नी देओल के संग नरेंद्र झा

(२००६), राज मौली के ‘यमदोंगा’ (२००७) आदि।जून, २०१५ मे रिलीज फिल्म ‘हमारी अधूरी कहानी’ मे सेहो काज क चुकल छथि। एहि फिल्म मे ओ एकटा पुलिस इंस्पेक्टर के भूमिका निभेने छलथि। एहिके अलावा २०१४ के सुपरहिट फिल्म ‘हैदर’ फिल्म मे शाहिद कपूर के पिता के भूमिका निभा चुकल छथि। नरेन्द्र झा जी स्टार प्लस के धारावाहिक ‘तेरे शहर में’ अतिथि भूमिका मे नजर आबि चुकल छथि। २०१६ मे प्रदर्शित फिल्म ‘घायल वन्स अगेन’ मे हिनक किरदार राज वंसल नामक मुख्य विलेन के छनि। २०१६ मे प्रदर्शित होमय वला हिनक फिल्म अछि ‘रईस’ एहि फिल्म मे ओ मुम्बई के डॉन के बनल छथि, एकर अलावा ‘मोहनजो दाड़ो’ फिल्म मे हिनका सेहो देखबनि।