चारिम बेरुक बिहार उद्यमिता सम्मेलनक आरम्भिक कार्यक्रम शुरू

मुकुन्द मयंक, पटना। मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि रवि दिन बिहार उद्यमी संघ द्वारा पटना केर गांधी मैदान में उद्यमिता जागरूकता रोड शो “walk the talk” केर आयोजन कएल गेल । उद्यमी बिहार – समृद्ध बिहारक संकल्पक संग रोड शो केर शुभारंभ उद्योग, विज्ञान एंव प्राद्यौगिकी मंत्री जय कुमार सिंह द्वारा कएल गेल । ओतहि युवा सबके उत्साहवर्धन हेतु बिहार सरकार केर प्रधान सचिव विवेककुमार सिंह, जॉइन्ट सेक्रेटरी साकेत कुमार, तकनीकी निर्देशक रविंद्र प्रसाद, निर्देशक उद्योग बिहार पंकज कुमार सिंह सामूहिक रूप सँ आकाश में रंग-विरंगी बैलून उड़ौलनि ।

जनतब द’ दी जे प्रत्येक बर्ष बिहार उद्यमिता सम्मेलनक उद्धघाटन रोड शो “walk the talk” सँ होएत अछि । जकर मुख्य उद्देश्य बिहार में उद्यमिता केर एको सिस्टम तैयार करब अछि ।

एहि अवसर पर मंत्री जय कुमार सिंह युवा सबकेँ सम्बोधित करैत कहला जे बिहार सरकार बिहार केँ स्टार्टअप हब बनेबा लेल दृढ़ संकल्पित अछि और एहि प्रतिबद्धता क’ दोहराबैत स्टार्ट अप बिहार कार्यक्रमक शुरुआत कएल गेल छैक । एहि बर्षक आयोजन समिति में 50 गोटा बिहार उद्योग विभाग सँ एंव 50 गोटा बिहार उद्यमी संघ सँ छथि । एहि सम्मेलनक आयोजन उद्योग विभाग, बिहार सरकार, एंटरप्रेन्योर एसोशियेशन ऑफ इंडिया, आइ आइ टी पटना, आई आई एम् कोलकत्ता, अंतर्राष्ट्रीय मजदूर संगठन, वर्ल्ड इकोनॉमिक फोरमक ग्लोबल शेफर्स कम्युनिटी, टारगेट एक्सलेटर, अमेजन, आईबियम समेत कुल 27 राष्ट्रीय एंव अंतर्राष्ट्रीय संस्था सब द्वारा कएल गेल अछि ।

आगामी कार्यक्रम मुताबिक 21 मार्च केँ 9 बजे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा श्री कृष्ण मेमोरियल सभागार में चतुर्थ बिहार उद्यमिता सम्मेलनक शुभारंभ कएल जाएत । 22 मार्च 9 बजे उद्योग, विज्ञानं एंव तकनीकी मंत्री (बिहार) जय कुमार सिंह द्वारा होटल मौर्या में बिहार दिवसक दिन विज्ञान एंव तकनीकी सत्रक शुभारम्भ होयत। आयोजक ई जानकारी उपलब्ध करौलनि अछि।