मैथिली लघु फिल्म ‘इतिहास’ केर प्रदर्शन शीघ्रः निर्माता मुन्ना चमन आ निर्देशक किसलय कृष्ण

विराटनगर, फरबरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि २५ फरबरी शनि दिन मैथिली लघु फिल्म केर निर्माता मुन्ना चमन एवं निर्देशक किसलय कृष्ण अपन एक-दिवसीय दौरा पर विराटनगर आयल छलाह। निर्माता व निर्देशक संग लगभग डेढ घंटाक फेसबुक लाइव शो मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी कएने छलाह जेकरा लगभग २ हजार दर्शक तत्क्षण देखि मैथिली फिल्म प्रति पैघ रुचि होयबाक संकेत देने छलाह। एहि साक्षात्कार मे लघु फिल्म इतिहास केर तैयारी आ प्रदर्शनक अलावे मैथिली फिल्म केर अन्य-अन्य विन्दुपर बातचीत कएल गेल छल।

निर्माता मुन्ना चमन बाल्यकालहि सँ समाज प्रति निष्ठा आ समर्पण संग सेवाक भावना रहबाक बात कहैत कहलैन जे हरदी (सुपौल) केर दुर्गास्थान आर भगवतीक महिमा मे बेर-बेर लोरिकदेवक चर्चा सुनैत रहलाक कारण हुनका भीतर रहल कलाकार मन एकटा नाटक लिखबाक लेल प्रेरित कएने छल। वैह नाटक पर फिल्म विशेषज्ञ किसलय कृष्ण संग चर्चा भेलाक बाद ओ एकरा पर एकटा लघु फिल्म निर्माण करबाक प्रेरणा देलनि आर भगवतीक प्रेरणा सँ ई फिल्मक सूटिंग कार्य सेहो पूरा कय लेल गेल अछि। निर्देशक किसलय कृष्ण एहि फिल्मक निर्माण मे दैविक सहयोगक संग लोकमानसक भरपूर सहयोगक सराहना करैत फिल्म आधा सँ बेसी तैयार भऽ जेबाक जनतब देलनि आर कहलैन जे आब एकर २-३ टा स्टेप आरो बाकी अछि जे जून २०१७ धरि पूरा कय लेल जायत आर प्रदर्शन सेहो तत्क्षण आरम्भ कएल जेबाक प्रयास मे लागल छी।