मिथिला सँ अबधवासी केँ याद पाड़य आयल छीः संजीब झा

सहरसा, फरबरी १९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

उत्तर प्रदेश केर विधानसभाक चुनाव मे मिथिलाक कार्यकर्ता लोकनि केँ सेहो भारतीय जनता पार्टी नेतृत्व द्वारा चुनाव प्रचार मे भरपूर उपयोग कएल जा रहल अछि। सहरसाक पूर्व विधायक संजीब झा सेहो एहि प्रचार मे शामिल छथि आर ओ कहलैन अछि जे ई एकटा बड नीक अवसर भेटल जेकाँ बुझा रहल अछि। अपन प्रदेशक जनता – अपन क्षेत्रक मुद्दा आर देशक दोसर प्रदेश संग पारस्परिक जुड़ाव पर सदिखन मंथन करबाक लेल अवसर भेट रहल अछि। अनुभव सेहो कय रहलहुँ अछि जे यथार्थतः पब्लिक केर सरोकार कोन-कोन विन्दुपर बेसी रहैत छैक।

संजीब झा कहलैन जे यूपी केर कटरा विधानसभाक तुर्कपूर्वा गाम मे ग्राम प्रधान मुकेश मिश्र केर आवास पर ग्रामीण सभक संग बैसार कय भाजपाक पक्ष मे मतदान केर आग्रह केलहुँ। अपन संबोधन मे हम कहलहुँ जे जनकनंदिनी सीता केर धरती मिथिला सँ चलिकय हम अहाँ सभक अवध नगरी वाला लेल एकटा संदेश लऽ कय आयल छी। आइ मैथिल केर अस्मिता पर एक प्रश्नचिन्ह लागल अछि। किछु राजनितिक दल चंद राजनीतिक लाभ केर कारण ई मानय लेल तैयारे नहि छथि जे हम मिथिलावासीक पाहुन मर्यादा पुरुषोत्तम राम केर जन्मस्थली अवध नगरी अछि।

मिथिला आर अबध बीचक त्रेता युग सँ संबंध रहल अछि आर सनातन धर्मक विरोधी केँ भारतक प्रतिष्ठित प्राचीनताकेँ ध्वस्त करबाक नेत पर लोक केँ बुझेबाक नीक अवसर रहबाक बात सेहो ओ बतौलनि। विदित हो जे संजीव झा अपन कार्यकाल मे मैथिली तथा मिथिला केँ स्थापित करबाक लेल विधानसभा पटना धरि अमिट छाप छोड़लनि आर निरंतर भाषा-संस्कृति संग समाजक हित लेल चिन्तनशील आ सक्रियतापूर्वक कार्यरत रहैत आयल छथि।