साक्षात्कार: राजीव मिश्र, प्रसिद्ध साउन्ड इन्जिनियर

किसलय कृष्ण, मैथिली जिन्दाबाद!
rajiv
मैथिली जिन्दाबाद केर समाचार संपादक किसलय कृष्णक संग मिथिला प्रसिद्ध इन्जिनियर राजीव मिश्र संग भेल वार्ता – साक्षात्कार:
किसलय: राजीवजी स्वागत अछि अपनेक मैथिली-जिन्दाबाद न्युज पोर्टलमे।
राजीव: धन्यवाद।
किसलय: अहाँक ई तकनीकी यात्रा कहिया आरंभ भेल?
राजीव: २००७ मे हम दिल्ली अयलहुँ आ अपन एक शुभचिनतक द्वारा नीलम स्टुडियो मे परिचित भेलहु। संगहि रिकार्डिंग करबाक तकनीक सिखब सेहो आरंभ केलहुँ।
किसलय: मात्र ७ वर्षक छोट अन्तराल मे अहाँ बड्ड पैघ सफलता सभ प्राप्त केलहुँ अछि। एहि विन्दु पर कने हमर युवा पाठक सबकेँ जानकारी दितियैक।
राजीव: नीलम मे रिकार्डिंग केर तकनीक संबंधित प्रारंभिक ज्ञान प्राप्तिक बाद… संयोगवश हम सरगम स्टुडियो दिल्की मे सहायक साउन्ड इन्जिनियर केर रुफ मे योगदान केलहुँ। आ ओतहि सऽ हमर विकास यात्रा आरंभ भेल। बड्ड मेहनति केलहुँ। कारण मिथिलाक एक साधारण परिवार सँ आयल छलहुँ।.. पुन: नेशनल जियोगरफिक चैनेल मे साउन्ड इफेक्ट पर काज करबाक अवसर हमरा लेल कोनो सपना सँ कम नहि छल।
किसलय: संगे अहाँ रंगमंच क्षेत्र मे सेहो सक्रिय भेलहुँ?
राजीव: जी! मैलोरंग केर कइएकटा नाटक मे हम ध्वनि पर काज केलहुँ। आ प्रशंसा सेहो भेटल।
किसलय: सम्प्रति कि सभ कय रहल छी?
राजीव: एखन दिल्ली मे अपन स्टुडियो अछि। संगहि प्रसार भारतीक रेडियो ट्रेनर छी आ समस्त देश जाइत छी ट्रेनिंग देबाक लेल।
किसलय: मैथिल युवा केँ कि मार्गदर्शन देबैक एहि क्षेत्र मे अयबाक लेल?
राजीव: जे कियो एहि क्षेत्र मे अपन भविष्य ताकैत छथि, ओ अवश्य आबैथ एहि शर्तक संग जे खूब मेहनत करब, तखन परिणाम अवश्य सुखद होयत। संगहि हमरा सँ जखन जे मार्गदर्शन चाहता तऽ हम मैथिल युवा लेल सदिखन तत्परतापूर्वक उपलब्ध भेटब।
किसलय: अपन समय आ विचार देबा लेल आभार।
राजीव: अहाँ आ न्युज पोर्टल मैथिली जिन्दाबाद केँ सेहो आभार जे हमरा स्थान देलहुँ।