मिथिलाक बेटी सौम्या मिश्रा एक बेर फेर इंडियन आइडोल मे

जनवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

saumya-mishra-indian-idol1सौम्या मिश्रा – माय मधुबनी मिथिला सँ आ पिता इलाहाबाद सँ – नाना, नानी, मामा, माय, पिता सब गीत-संगीत केर साधना मे निपुण – भारत केर सर्वाधिक लोकप्रिय टेलिविजन कार्यक्रम (रियल टैलेन्ट शो) – इंडियन आइडोल केर छठम् सीजन मे असफल रहलाक बाद एक बेर फेर सँ अपन दमखम पर नवम् सीजन मे थियेटर राउन्ड उपरान्त अन्तिम १२ अभ्यर्थी बीच अपन जगह सुरक्षित करबा मे सफल बनलीह अछि।

विदितो हो जे सोनी टीवी पर देखाओल जायवला ई कार्यक्रम भारत मे गायन क्षेत्र मे एक सँ बढिकय एक टैलेन्ट केँ सामने अनबाक काज केलक अछि। एकर सफलताक इतिहास एतबे मजबूत छैक जे आइ एक या दुइ या तीन नहि बल्कि निरन्तर नवम् बेर एकर आयोजन भऽ रहलैक अछि। एहि मे सोनू निगम, फराह खान आर अनु मल्लिक समान दिग्गज हस्ती सब केँ निर्णायकक भूमिका मे राखल जाएत छैक आर विभिन्न सीजन मुताबिक अलग-अलग एंकर केँ सेहो राखल जेबाक परंपरा देखल गेलैक अछि। एकर आडिशन भारतक विभिन्न शहर सँ खुल्ला सहभागिता आ अपन प्रतिभाक प्रदर्शन सँ छाँटैत-छाँटैत अन्तिम मे २४ उम्मीदवारक चयन होएत छैक। पुनः ओहि २४ मे सँ १४ आर थियेटर राउन्ड समाप्त भेलाक बाद १२ अभ्यर्थी अन्तिम शो केर एलिमिनेशन राउन्ड लेल चुनल जाएत छैक। फेर विभिन्न राउन्ड द्वारा छँटाएत अन्तिम विजेता घोषित कैल जाएत छैक। सौम्या मात्र १७ वर्षक उमेर मे एहि उच्च मूल्यक गायन टैलेन्ट शो मे अपन प्रतिभा देखौलनि, लेकिन फराह खान केर अन्तिम कमेन्ट जे नेक्स्ट शो मे आरो बेसी तैयार कय केँ आउ कहि छाँटल गेलाक बाद पुनः सीजन ९ मे सौम्या अन्तिम १२ मे अपन स्थान सुरक्षित करबा मे सफल भेलीह अछि।

saumya-mishra-sunitइंद्रप्रस्थ मैथिल संघ, रोहिणी दिल्लीक संस्थापक सदस्य एवम् सोसल मीडिया फेसबुक पर लोकप्रिय समूह ‘हम सब मैथिल छी’ केर संचालक सुनीत ठाकुर हिनकर मिथिला लिंक आर गीत-संगीतक कला विरासत मे भेटबाक समाचार दैत कहैत छथि जे सौम्याक नानी गाम मधुबनी जिला मुख्यालय शंकर चौक समीप छन्हि, हिनकर नाना-नानी कृष्णानंद मिश्रा व पार्वती मिश्रा सेहो गीत-संगीत मे सिद्धहस्त छथि। तहिना हिनकर माँ सेहो आदित्य बिड़ला इंटर कालेज, रेणुकूट मे संगीत शिक्षिका छथि आर गायक पिता उदय शंकर मिश्र जे मूल रूप सँ इलाहाबाद केर रहनिहार छथि ओ हिन्डालको – रेणुकूट मे कार्यरत छथि। हिनकर मामा सेहो सिद्धहस्त गायक छथि। आर एहि तरहें देखल जाय तऽ सौम्याक डीएनए मे गीत-संगीत समायल छन्हि। जहिना गाबय मे सौम्य तहिना देखय मे सेहो सौम्य छथि सौम्या आर हिनकर प्रस्तुति मे दर्शक तथा निर्णायक सब केँ मदमस्त करयवला अन्दाज देखल गेल अछि।

सुनीत ठाकुर अपन संस्मरण शेयर करैत कहैत छथि, “एहि साल सरस्वती पूजा में इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ, रोहिणी मे सेहो सौम्या अपन कार्यक्रम दs चुकल छैथ। मैथिली आ भोजपुरीक बहुत नीक गायिका छैथ आ बहुत रास प्रतियोगिता सेहो जीतने छैथ। ‘सुर संग्राम’ केर विजेता सेहो रहि चुकल छैथ।

एखन त ओना एलिमिनेशन राउन्ड आरम्भ होय मे देरी छैक, मुदा सुनीतजी सोसल मीडिया मार्फत सौम्या लेल आशीर्वादक मांग करैत कहलैन अछि जे अपने सब गोटे सs विनम्र निवेदन जे मिथिलाक एकमात्र प्रतिनिधि “सौम्या मिश्रा” केँ प्रोत्साहित करी आ आवश्यकता पड़ला पर वोट सेहो करी।

बीतल शनि आ रवि दिनक राति इंडियन आइडोल – सीजन ९ केर शो देखायब शुरु भऽ चुकल अछि। ५ जनवरी सँ हिनका लोकनिक कार्यक्रमक रिकार्डिंग सेहो शुरु भऽ चुकल अछि। कलाकार लेल तऽ क्षेत्र विशेषताक आर कोनो खास प्रभाव तऽ नहि पड़ैत छैक, मुदा मिथिलावासी लेल ई एकटा अवसर होयत जे अपन बेटी-भैगनी-बहिनक रूप मे सौम्या केँ हम सब कियो जरुर देखी, उत्साहवर्धन करी आ जरुरत पड़ला पर वोट सेहो दी।