जिला पार्षद द्वारा मिथिला राज्यक समर्थन, विधायक सँ सेहो अपील

दरभंगा जिला पार्षद द्वारा मिथिला राज्य केर समर्थन मे प्रस्ताव पारित

दरभंगा, नवम्बर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns-jilla-parishad-darbhanga2महात्मा गाँधीक प्रसिद्ध उक्ति जे पंचायती राज मे स्थानीय जनप्रतिनिधिक आवाज सीधे जनताक आवाज थीक आर ओहि पर संघीय गणराज्यक सब निकाय केँ पूरा-पूरा ध्यान देबाक चाही – ठीक एहि उक्ति अनुरूप मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा दरभंगा व आसपास केर ५ जिलाक स्थानीय त्रिस्तरीय पंचायती निकायक समिति सँ ई आह्वान कैल गेल छलैक जे ओ सब मिथिला राज्य केर मांग केँ समर्थन करैत एहि आशय केर ज्ञापन पत्र देशक राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री व मुख्यमंत्री धरि पठबैथ।

काल्हि २९ नवमबर दरभंगा मे जिला पार्षद समितिक बैसार मे सर्वसम्मति सँ ई निर्णय पारित कैल गेल अछि। मिरानिसे महासचिव संजय मंडल जानकारी दैत कहलैन अछि जे ई एेतिहासिक निर्णय मिथिला राज्य केर समर्थन मे पहिल बेर भेल अछि। ओ ज़िला परिषद अध्यक्षा,ज़िला परिषद उपाधयक्षा एवम् सदन में उपस्थित समस्त ज़िला परिषद सदस्य प्रति आभार प्रकट करैत मिथिला राज्य केर मांग केँ सर्वसम्मति सँ ज़िला परिषद सदन मे पारित कैल जेबाक निर्णय केँ स्वागत केलैन।

तहिना महासचिव राजेश झा कहलैन अछि जे मिथिला आंदोलन लेल सबसँ पैघ दिन यैह थीक। पहिल बेर कोनो भी चुनाव सँ जीतल निकाय द्वारा मिथिला राज्य केर माँग के संबंध में प्रस्ताव पास कैल गेल अछि। दरभंगा जिला परिषद केर नाम आइ इतिहास में स्वर्णाक्षर में लिखल जायत। दरभंगा जिला परिषद मिथिला राज्य निर्माण सेना केर आवाहन पर मिथिला राज्य स्थापना केर समर्थन में प्रस्ताव पास केलक। एतबे टा नै, जिला परिषद केर पदेन सदस्य सब प्रमुख प्रखंड तक अहि प्रस्ताव केँ हर्षध्वनि सँ समर्थन कएलाह। प्रखंड प्रमुख महोदय सबकेँ सेहो हार्दिक अभिनंदन। सब सदस्य केँ हार्दिक बधाई आ धन्यवाद।

मिरानिसे केर अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर द्वारा एहि महत्वपूर्ण कार्य करेबा मे कोनो राजनीतिक दल केर चुनाव चिह्न पर लड़निहार कोनो नेताक एहि प्रस्ताव पारित करेबाक मे कोनो प्रकारक सहयोग नहि रहबाक बात स्पष्ट केलैन अछि। सेनाक निवेदन पर जिला परिषद अध्यक्ष, उपाध्यक्ष समेत जिला परिषद सदस्य द्वारा मिथिला राज्य निर्माण केर समर्थन मे ध्वनिमत सँ प्रस्ताव पारित कैल गेल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत ओ कहलैन जे कतहु-कतहु सँ खरखाँही लूटयवला बात कान मे पड़ल अछि, ताहि हेतु ई स्पष्ट करब जरुरी अछि। आगाँ ओ मिथिला पुत्र विधायक लोकनि सँ निवेदन करैत कहलैन जे बिहार विधान सभा सत्र एखन चलि रहल अछि। अहाँ सब माननीय लोकनि अपन हाई-कमान्डक समक्ष हिम्मत केर प्रदर्शन करैत एहि सत्र मे मिथिला राज्य निर्माण केर प्रताव पारित कराकय केंद्र सरकार केँ पठबाउ। मिथिला आभारी रहत।