मिथिला राज्य निर्माणार्थ सघन जनसम्पर्क अभियानः मिरानिसे

दरभंगा, अक्टूबर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns-samparkपहिल बेर दरभंगाक हर प्रखंड स्तर पर जनसम्पर्क मार्फत जन-जन मे अपन स्वराज्य मिथिला राज्य केर संघर्ष केँ तीव्रता प्रदान करबाक लेल सघन अभियान चलायल गेल अछि। सोसल मीडिया या देशक राजधानी आ महानगर मे मैथिल जनमानसक बीच ई मुद्दा खूब चलैत अछि, मुदा धरातल पर रहनिहार केँ एहि सम्बन्ध मे कोनो जानकारी धरि नहि उपलब्ध अछि। मिथिला राज्य निर्माण सेना केर आगामी अधिवेशन व आमसभा लेल आमंत्रित करैत विभिन्न स्रोतक माध्यम सँ जाहि तरहक जनसम्पर्क एहि बेर भ रहल अछि एकर सुखद परिणाम जरुरे देखय मे आओत। ई जानकारी मिथिला राज्य निर्माण सेनाक जनसम्पर्क मे निरंतर योगदान देनिहार राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा करौलनि।

विदित हो जे ८-९ नवम्बर दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय परिसर मे मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा दुइ-दिवसीय राष्ट्रीय अधिवेशन कैल जायत। एहि मे सेना सँ जुड़ल विभिन्न अभियानी लोकनिक अलावे नव जुड़ल सदस्य ओ समर्थक केर कसगर जुटानी करैत मिथिला राज्य आन्दोलन केँ मुकाम धरि पहुँचेबाक निर्णय लेल जेबाक जानकारी भेटल अछि। डा. रंगनाथ ठाकुर केर संयोजन मे ई अधिवेशन मिथिला राज्य आन्दोलनक दशा आ दिशा दुनू मे सुधार आनत ई विश्वास व्यक्त कैल गेल अछि। जनसम्पर्क सँ यथार्थतः सब क्षेत्रक लोक केर जुड़ाव एहि बातक संकेत थीक जे आब ई आन्दोलन माटि पकैड़कय आगाँ जायत।

जानकीक आह्वान थीक मिथिला राज्य निर्माणः डा. रंगनाथ ठाकुर

अपन एक महत्वपूर्ण बयान मे मिरानिसे प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर कहलैन अछि जे “पृथक मिथिला राज्य समग्र क्रांति केर श्रीगणेश भऽ गेल। जानकी केर अपहरणक बाद जखन राम सन बुद्धिमान लोक जानकी केर नै पता लगा सकला तखन नक्कारा बानर, भालू सब संग देलकैन आ सहयोगी बनि जानकी केर पता लगा विजयश्री दिया जानकीक संग सपरिवार अयोध्या पहुँचा देलकैन त ओही नक्कारा बनरवा केँ बुद्धिमान जन कहय लगला “सकल गुण निधानं”। आइ जानकीक बापक राज्य अपहृत अछि आर यैह नक्कारा बनरवा (मिथिला राज्य निर्माणार्थ खटि रहल सेना) सब जानकीक बापक राज्य खोजि पुनर्गठित करत। बुद्धिमान जन केँ आधुनिक नक्कारा बनरवा केर स्तुति करय पड़त। माननीय बुद्धिमान कार्यकर्ता बंधु! मिथिलाक बेटी जानकी जूनक पटनाक चिंतन शिविर मे मिथिला राज्य निर्माणक बीजारोपण कय देलथि आर ओ हमरा अहाँक अन्तःकरण सँ बजली कि “हमरा चाही बापक राज, मिथिला राज्य मिथिला राज्य”। जानकी द्वारा जून मे बीजारोपण, ८-९ नवंबर केँ अंकुरन आ २०२१ सँ पहिनहि लहलहाइत, पल्लवित, पुष्पित, फलित आ गठित मिथिला राज्य।”