अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा जन्तर-मन्तर पर हल्ला बोल रैली

नई दिल्ली, सितम्बर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

abmp-jantar-mantarआइ दिल्लीक जंतर मंतर पर अलग मिथिला राज्य लेल ‘हल्ला बोल रैली’क आयोजन भ रहल अछि। जाहि के नेतृत्व अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक नेता विनोद कु यादव “बीरबल” कय रहल छथि।

रैली केँ सफल बनेबाक लेल बीरबल लगातार एक महीना सँ दिल्लीक कोणे-कोण जनसम्पर्क कएलनि। खासकय ओहि आम जनवर्गीय समाज सँ जेकरा मिथिला राज्य आन्दोलन सँ दूर कहल जाएछ। दिल्लीक ३० लाखक मैथिल जनसंख्या मे ९५% संख्या ओहि आम जनवर्गीय समाजक अछि, दिल्लीक विधानसभा, लोकसभा आ वार्ड काउन्सिल धरि केर निर्णय यैह समाज द्वारा कैल जाएछ। बीरबल ई जानकारी दैत कहलनि जे आगामी समय मे मिथिला मड़ौसी केँ फूलेबाक-फलेबाक लेल राज्यक आवश्यकता ईहो वर्ग आब बुझय लागल अछि। आबयवला समय मे भारतक संविधान मे मिथिला राज्य स्थापनार्थ यैह समाज अग्र भूमिका निभाओत। हम सब कियो आपसी समन्वय सँ ई सपना पूरा करब।

रैली केँ सफल बनेबाक लेल बेसी सँ बेसी मैथिल रैली में आबथि ताहि बीरबल केँ संग देनिहार राम सेवक मुखिया, रामबाबू यादव, विजय यादव, लाल बाबू यादव, अमर यादव, रणजीत लाल दास, अमलेश मंडल, अरुण शर्मा केर अलावा दिल्लीक विभिन्न कोण सँ आरो बहुत रास आर मैथिल सभ दिन-राति हिनकर सहयोग करैत रहला अछि – बीरबल कहलैन।

आइ हल्ला बोल रैली मे दिल्लीक जन्तर-मन्तर पर हजारों मिथिलाक जनवर्गीय समाज एकत्रित होयत आ केन्द्र केँ ई समाद अन्तिम बेर देत जे आब नहि त छोड़बौ नहि। दिल्ली में मिथिला राज्य आन्दोलनक इतिहास में एकटा नव अध्य्याय लिखत कहलैन रोहित यादव अभामिपाक युवा नेता। ई समाचार लेखन समय ओ जन्तर-मन्तर पर सब तैयारीक अन्तिम निरिक्षण कय रहल छलाह।