नेपालक प्रधानमंत्री प्रचंड चारि दिनक औपचारिक भारत यात्रा पर

काठमान्डु, १५ सितम्बर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

pm-dahal-india-visitहालहि नवनिर्वाचित नेपालक प्रधानमंत्री पुष्प कमल दाहाल प्रचंड केर आइ सँ चारि दिनक भारत भ्रमण आरम्भ भेल अछि। आइ भिनसरे ११ः३० बजेक आरएनए २०५ एयरक्राफ्ट मे १२५ जनक नेपाली प्रतिनिधि टोलीक संग प्रधानमंत्री काठमान्डुक त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल सँ भारतक राजधानी दिल्ली दिस प्रस्थान केलनि अछि। नेपाली प्रधानमंत्री प्रचण्ड भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र दामोदर दास मोदीक आमंत्रण पर पड़ोसी मित्रराष्ट्र भारतक एहि यात्रा पर प्रस्थान केलनि अछि।

प्रधानमंत्री प्रचण्ड, हुनक धर्मपत्नी सीता दाहाल, भौतिक पूर्वाधार एवं यातायात मंत्री रमेश लेखक, विदेश मंत्री प्रकाश शरण महत आर विधि-निर्माता नारायण चौधरी, लालबाबू रावत, योगेन्द्र चौधरी, टेक बहादुर वस्नेत तथा जंगी लाल राय सहितक प्रतिनिधि टोली एहि यात्रा पर गेल अछि।

एहि टोली मे कुल ५० अधिकारी लोकनि जाहि मे प्रधानमंत्री प्रचण्डक खास २६ सदस्यीय सहयोगी अधिकारी सहभागी अछि, ६ जन हुनक सल्लाहकार, तीन सुरक्षा अधिकारी, ७ संचारकर्मी तथा ८ जन भारत स्थित नेपाली राजदूतावासक राजनयिक सेहो सहभागी अछि, ई जानकारी विदेश मंत्रालयक प्रवक्ता करौलनि अछि।

प्रतिनिधिसभा अध्यक्ष ओनसरी घर्ती, उपप्रधानमंत्री बिमलेन्द्र निधि एवं कृष्ण महरा, मंत्री लोकनि, संवैधानिक निकायक मुखिया लोकनि, सरकारक उच्चाधिकारी लोकनिक संग-संग सुरक्षाक तिनू निकायक मुखिया द्वारा प्रधानमंत्री केँ एहि भारत यात्रा पर विदाह कैल गेल अछि। एकर अलावे अन्य विधि-निर्माता, सीपीएन (माओवादी केन्द्र) केर नेता व कार्यकर्ता सेहो त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल पहुँचि प्रधानमंत्री प्रचण्डकेँ शुभ-शुभ विदाह केलनि अछि।

एहि अवसर पर नेपाली सेनाक एक टोली द्वारा प्रधानमंत्री केँ गार्ड अफ अनर सेहो देल गेलनि।

अपन यात्रा मे प्रधानमंत्री भारतक राष्ट्रपति डा. प्रणव मुखर्जी, अपन समकक्षी प्रधानमंत्री मोदी संग भेंट करबाक संग-संग अन्य द्विदेशीय वार्ता व बैठक मे सेहो भाग लेता।

mkj-with-prachandaप्रधानमंत्री प्रचण्ड संग प्रतिनिधिक टोली मे विराटनगरक उद्योगपति व मैथिली जिन्दाबाद केर सहयोगी नेपाल उत्पाद रमपम चाउचाउ केर मालिक महेश जाजू सेहो गेल छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ यात्राक सफलता लेल सब केँ शुभकामना देल गेल अछि। प्रस्तुत तस्वीर साभार महेश जाजू प्रधानमंत्री संग ३५ हजार फीट केर ऊँचाई सँ उपलब्ध भेल अछि।