मिथिलाक लालक कमाल – टीवी निर्माण मे क्रान्ति

Pin It

खबैर साभार – न्युज अफ बिहार डट कम

mithila lal k tvमधुबनी, 3 सितम्बर। कहैत छैक जे आवश्यकता अविष्कार केर जननी थीक। निश्चित एहि उक्तिक अनुरूप मानव समाज नव-नव आविष्कार मे लागल रहैत अछि, असंभव केँ संभव बनबैत सपना केँ साकार रूप प्रदान करैत रहैत अछि। एहि सूची मे मिथिलाक मधुबनी जिला सँ एक लाल नव कमाल केलनि अछि। नीरज कुमार दास नामक युवक पहिल विंडोज-10 टीवी बनाकय मनोरंजन जगत मे क्रांति आननिहारक सूची मे अपन नाम दर्ज करौलनि अछि।

नीरज कहैत छथि जे ई टीवी केँ बनेबाक लेल ओ अपन सब किछु दाव पर लगा देलनि। अपन नौकरी तक एहि कारण छोड़ि देलनि। आब जाकय हुनका सफलता भेटलनि अछि। हुनक ई आविष्कार मध्यमवर्गीय आयश्रेणीक लोक केँ ध्यान मे राखिकय कैल गेल अछि ओ कहलैन।

शुरुआत उत्तर प्रदेश, बिहार सहित पांच आरो राज्यक शहर सब मे एहि टीवी केँ डेमो मार्केटिंग कैल जायत। डीलर द्वारा टीवीक बुकिंग कराओल जायत। बुकिंग सितंबर तक चलत। एहि टीवीक दाम सोलह हजार टका लगभग होयत। नीरज अपन योजना पर चर्चा करैत कहलैन।

अविष्कारक रहस्य

मधुबनी जिलाक झंझारपुर निवासी नीरज कहैत छथि जे ओ एहि टीवी केँ बनेबाक आइडिया घर मे अपने बेटा सँ लेलनि। बेटा द्वारा यूट्युब देखबाक लेल स्मार्ट टीवीक प्रयोग सँ ई प्रेरणा भेटल। ओकरा जखन कंप्यूटरक आवश्यकता होएक तऽ ओ डेस्कटप या टैब पीसी केर उपयोग करैत छल। तखनहि हम तय कएलहुँ जे एकटा एहेन टेलिविजन बनायब जे टीवी आ कंप्यूटर दुनू काज कय सकत।

आविष्कार यात्रा मे संगी-साथीक सहयोग

नीरज कहैत छथि जे ई अविष्कार मे हुनका आरो दुइ मित्रक संग-सहयोग भेटलनि। सफलताक श्रेय हुनका लोकनिक सहयोग केँ सेहो दैत आभार प्रकट करैत छथि नीरज।

कि खास बात छैकः विंडोज 10 टीवी कर विशेषता

-हाई डिफिनिशन मे देखल जा सकैत अछि कार्यक्रम
-कंप्यूटर केर लेल सेहो कैल जा सकैत अछि एकर उपयोग

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

4 + 7 =