मिरानिसे अधिवेशन पूर्व प्रतिनिधि सदस्य बनेबाक होड़ लागल

दरभंगा, सितम्बर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रदेश महासचिव हेमन्त कुमार झा अपन व्यस्त राजनीतिक एवं सामाजिक क्रियाकलाप सँ समय निकालिकय मिरानिसे राष्ट्रीय अधिवेशन लेल आवश्यक प्रतिनिधि सदस्य बनेबाक कार्य मे अपन सौ प्रतिशत योगदान दय रहला अछि।

मिरानिसे केर आधिकारिक व्हाट्सअप ग्रुप पर प्रसारित विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे प्रदेश एवं राष्ट्रीय कार्यकारिणीक सब सदस्य लोकनि अपना-अपना तरहें सदस्यता अभियान चला रहला अछि। एहि क्रम मे प्रदेश महासचिव हेमन्त कुमार झा जे स्वयं भारतीय जनता पार्टीक जिला स्तरीय नेतृत्वकर्ताक संग-संग मिथिलावादी विचारक केर रूप मे प्रख्यात छथि, हुनका द्वारा मिरानिसे मे महत्वपूर्ण लोक सब केँ जोड़ल जा रहल अछि।

आउ देखी जे स्वयं हेमन्त कुमार झा अपन व्हाट्सअप मैसेज मार्फत नव जुड़ल महत्वपूर्ण सदस्य सबकेँ कोना परिचिति दैत छथिः

hemant bhai1ई छैथ भाइ आलोक कुमार झा उर्फ टिंकू भाइ! हिनकर धर्मपत्नी छथिन श्रीमती ललिता झा जे जिला परिषद् केर समान्नित उपाध्यक्ष छथिन। ई तन मन धन सँ जुड़लैथ मिरानिसे मे। हिनका माँ जानकी सफल करथिन। जय मिथिला।

hemant bhai2ई छैथ हिरा दासजी। ई पुर्व जिला परिषद सदस्य छैथ। जुझारू कर्मठ युवा! ई आइ मिथिला सेनानी बनलैथ। जय मिथिला!

hemant bhai3फूल भैया, हायाघाट जद यु केर पुर्व प्रखंड अध्यक्ष। आइ मिरानिसे सँ जुड़ि गेला। जय जानकी!

hemant bhai4ई छैथ चंदन भाइ। कांग्रेस केर दरभंगा नगरक पुर्व अध्यक्ष। युवा क्रान्तिकारी! ई आइ मिथिला राज्य निर्माण सेना संग जुड़ि गेला। जय मिथिला!

hemant bhai5

ई छैथ नन्हे भाइ! पत्रकार छैथ। हमर छोट भाइ जकाँ। ई आइ मिरानिसे सँ जुड़ि गेलाह। माँ जानकी हिनका पर कृपा बनेने रहथिन। सिंहबाड़ा प्रखण्ड केर साथ दरभंगा मे सेहो पहिचान रखैत छैथ। जय मिथिला!!

विदित हो जे मिरानिसे द्वारा ८-९ नवम्बर राष्ट्रीय अधिवेशन राखल गेल अछि, जेकर पहिल दिन देश भरिक जुड़ल सेनानी सब बन्द सत्र मे मिथिला राज्य निर्माणार्थ रणनीति तैयार करबाक संग-संग सेनाक संगठन केर मजबूती प्रदान करैत आगामी संघर्षक रणनीति सेहो बनौता। प्रत्येक जिला सँ कम सँ कम १० प्रतिनिधिक सहभागिता सहित ई अधिवेशन राखल जायत। एहि मे सब दलक पर्यवेक्षक – मार्गदर्शक – सल्लाहकार व अन्य अतिथि लोकनि सेहो सहभागी बनता ई जानकारी राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा करौलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

7 + 6 =