मिथिला राज्य निर्माण सेनाक जनजागरण आब गाम-गाम मे

दरभंगा, सितम्बर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

जागि रहल अछि आब असली लोक सब अपन स्वराज्य मिथिला लेल
 
mrns board paswanगलत आ भ्रामक प्रचार केँ दुत्कारैत-नकारैथ जोगियारा – फेकला निवासी विनोद पासवान अपन स्वराज्य मिथिला लेल हर स्तर पर संघर्ष करबाक लेल तैयार भ गेल छी कहैत छथि।
 
मिथिला राज्य निर्माण सेनाक दरभंगा उपाध्यक्ष अभिनंदन मिश्र द्वारा जिलाक विभिन्न पंचायत मे भ्रमण करैत जमीन सँ जुड़ल लोक सब केँ एहि संघर्ष लेल तैयार कय रहल छथि। एहि क्रम मे जुड़ल एक कार्यकर्ता विनोद कहलैन जे ई लड़ाई यथार्थ मे हमरा सब गरीब आ असहाय जनमानस लेल थीक। हम सब साल मे ११ मास बाल-बच्चा‍-परिवार सँ दूर रहि रोजी-रोटीक व्यवस्था मे लगैत छी। हमरहि वोट सँ चुनाकय लोक सब पटना जाएत अछि मुदा बिहार राज्य सरकार द्वारा कोनो तरहक रोजगारक अवसर अपन मिथिला क्षेत्र मे व्यवस्था नहि करा पबैत अछि। बाल-बच्चाक शिक्षा सेहो मेहनत-मजदूरीक पैसा सँ नहि करब त सरकार भरोसे ओहो सब हमरे सब नाहैत बौआयत। बहुत दिन धरि विश्वास केलहुँ एहेन नेता सब पर, मुदा जाति-पातिके नाम पर वोट टा लैत अछि, बाकी विकासक चर्चा करू त मूरी झुका लैत अछि। खाली पूल-पुलिया आ कल्भर्ट निर्माण लेल नेता नहि चुनैत छी हम सब। आब अपन राज्य होयत त निश्चिते अपने सरोकार पर ध्यान देत आ स्वतः विकास होयत।
 
मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत अभिनन्दन मिश्रा कहलैन जे यथार्थतः ई मिथिला राज्यक लड़ाई जेकरा सबहक लेल छी ओकरे सबकेँ आगू अनबाक लेल हम सब गाम-गाम घूमि रहल छी।