ललन दरभंगावालाक किडनी प्रत्यारोपण नवम्बर मे
प्रकाश कमती, मुम्बई। अगस्त ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मुम्बई मे सक्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी ललन दरभंगावाला केर स्वास्थ्य स्थिति एखनहु चिन्ताजनक बनल अछि, संगहि चिकित्सक द्वारा नवम्बर महीना मे किडनी प्रत्यारोपण करबाक समय देल गेल अछि।
मैथिली जिन्दाबाद पर पहिनहि प्रकाशित समाचार सँ ललनजीक किडनी रोगक जानकारी देल गेल छल, पुनः संछेप मेः
ललनजी जहिना दैहिकशक्ति रुपे टुटि गेलैथ तहिना अर्थ सँ सेहो अत्यन्त लाचारीमे पहुँचि गेला अछि। वृद्ध माँ-बाबुजी आ धर्मपत्नी संग दुइ पुत्र केर पढाई-लिखाइ केर भारवहन कएनिहार एकमात्र ललनजी अपन बीमारीक कारण पूर्णरूपेण दयनीयता केँ प्राप्त भेल छथि। हिनक एक छोट भाइ सेहो छथिन जे गामहि मे रहैत छथि आ पिताकेँ सहयोग करैत छथि। गामहु पर कोनो खास जथा-जजात नहि जे एहेन विपत्तिक समय कोनो सहयोग भेट सकत। तथापि ई स्वाभिमानी एहेन छथि जे समाजक सहयोग लेबाक लेल आइ लगभग ५ मास सँ सबकेँ मना करैत रहला अछि। हिनका तरफ सँ अलग-अलग मिडिया मार्फत आर्थिक सहयोग केर अपील कैल जेबाक समाचार सेहो प्रकाशित भेल अछि।
मैथिली जिन्दाबाद केर प्रतिनिधि केँ ललनजी आइयो अपन जीवन ईश्वर केर हाथ रहबाक बात कहैत किनको सँ कोनो तरहक अर्थक याचना सँ बेसी आशिर्वादक याचना मात्र करब कहैत छथि। कतेक बुझेलाक बाद जे ईश्वर कोनो न कोनो दाता सेहो पठौता कहलाक बाद ओ अपन खाता नंबर उपलब्ध करौलनि। कोनो स्वैच्छिक सहयोगी हिनकर एहि खाता पर सहयोग पठा सकैत छीः
ललनजी वर्तमान समय किडनी प्रत्यारोपणसँ पूर्वक प्रक्रिया अन्तर्गत चिकित्सक द्वारा आठ टा फिटनेस टेस्ट लेबाक परीक्षा सँ गुजैर रहलाह अछि। जाहिमें चारि टा परीक्षा में एखन धरि सफल भ चुकल छथि। बाकी चारि टेस्ट पूरा भेलाक बाद चिकित्सकक टोली द्वारा किडनी प्रत्यारोपणक तारीख निश्चित कएल जायत जे अनुमान सँ नवम्बर मास में होयत।
प्रत्यारोपण लेल आवश्यक खर्चा सरकारी अस्पताल में 3 सँ 4 लाख आ प्राइवेट अस्पताल में 7 सँ 8 लाख धरि लगबाक बात कहल गेल अछि। ललनजी संग रहल जमापूँजी सँ एखन धरि अस्पताल, बाल-बच्चाक पढाई-लिखाइ, परिवारक जीवनयापन कोहुना होएत रहल अछि। मुम्बई मैथिल समाजक आँखिक तारा ललनजी वास्ते सब कियो सहयोग लेल तत्पर छथि।
वृद्ध पिता अपन एकमात्र कमौआ बेटाक जीवनरक्षा लेल स्वयं किडनी दान करबाक लेल तैयार छथि। हुनकर फिटनेस टेस्ट सेहो भेलनि अछि आर संयोगवश ओ एहि योग्य छथि जे अपन किडनी सँ ललनजीक जीवनरक्षा कय सकता।
ललनजी जाहिठाम रहैत छथि ओहिठामक पर्यावरणीय वातावरण, आस-पड़ोस में गन्दगी इत्यादि भरपूर छैक जे ललनजीक ऑपरेशन पश्चात इंफेक्शनक डर सेहो छैक ताहि हेतु ऑपरेशनसँ पहिने कुनो नीक स्थान, आस-पड़ोस में स्थानांतरण आवश्यक अछि।
Aug 30, 2016 - 4:55 am
Hum sab lalan bhai ke sang chhi aa sab gote sa aagrah je sab kiyo aagu aaib appan maithil abhiyani ke bachabai ke lel kichu ne kichu sahyog kari
Maithili jindabad ke sahriday dhnyvad je ai abhiyanik lel post kelou