सम्पर्क-समन्वय सँ संगठन आ संगठन सँ राज्यः लक्ष्मी ना. मेहता

फारबिसगंज, अगस्त २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns laxmi mehtaमिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा विभिन्न जिला मे संचालित सम्पर्क अभियान सुरसंड (सीतामढी) सँ होएत मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, बेगुसराय, दरभंगा, मधुबनी, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, फारबिसगंज, अररिया, पुर्णिया ओ कटिहार धरिक यात्रा पैछला ६ अगस्त सँ २८ अगस्त धरि मे निरंतरता मे राखि सकल अछि – ई जानकारी सम्पर्क अभियानक नायक राजेश झा मैथिली जिन्दाबाद सँ कहलैन।

फारबिसगंज, पुर्णिया, अररिया ओ कटिहार केर सम्पर्क अभियान मे सहभागी मे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी केर सहयोग प्रति आभार प्रकट करैत राजेश झा जानकारी देलैन जे आगामी नवम्बर ८ आ ९ तारीख दरभंगा मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय अधिवेशन सह विशाल आमसभा लेल चौतर्फा सब केँ हकार दैत जनक-जानकीक सनातन मिथिला केँ भारतक संविधान मे सम्मान दियेबाक लेल एकजुट होयबाक अपील करैत बढि रहल छी, संगहि मिरानिसे सँ युवा एवं अनुभवी अभिभावक सब केँ जुड़िकय एहि संघर्ष केँ परिणाम धरि पहुँचेबाक सहयोग सेहो मांगि रहल छी।

राजेश झा कहलैन जे पूर्वी मिथिलाक सीमावर्ती जिला मे सम्पर्क अभियानक सकारात्मक असर देखय मे भेटल अछि, कारण विकासपुरुष केर नाम सँ जानल जायवला जमीन सँ जुड़ल नेता आ फारबिसगंज सँ पूर्व विधायक लक्ष्मी नारायण मेहता समान परिपक्व आ अनुभवी नेतृत्वकर्ता एहि मुहिम मे संग आ सहयोग देबाक वचन देलनि अछि। विदित हो जे नेता मेहता अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् सँ सेहो जुड़िकय एहि क्षेत्र मे आम जनमानस केँ अपन मातृभाषा मैथिली सँ भाषिक पहिचानक महत्व बुझैत अपन मिथिला स्वराज्य लेल बहुत पहिनहि सँ कार्य करैत रहला अछि।

२००५ मे विधायक चुनेलाक बाद मात्र एक बेर पंचवर्षीय कार्यकालमे फारबिसगंज विधानसभा क्षेत्रक आर्थिक कायापलट कएनिहार मे हिनक नाम स्थापित अछि। संगहि वर्तमान समय पूरे उत्तर बिहार (मिथिला) केर उपेक्षा सँ आक्रोशित एहि क्षेत्रक अपन अलग महत्वक कारण अलग राज्य केर समर्थन मे ठाढ छथि। आगामी मिरानिसे राष्ट्रीय अधिवेशन लेल संपूर्ण राजनीति मे संलग्न नेतृत्वकर्ता लोकनिक एकटा मिथिलावादी गठबंधन तैयार करबाक भार स्वीकार कएलनि अछि, संपूर्ण मिथिला मे नव-पुरान सब नेता लोकनि केँ एहि लेल बात करबाक आश्वासन सेहो देलनि अछि। संगहि अपन मित्र व मैथिली अभियानी मांगन मिश्र पर मिरानिसे केर सदस्यता अभियान मे सहयोग करबाक भार सेहो सौंपि एकटा पैघ उपकार कएलनि अछि, जानकारी देलनि राजेश झा।

पूर्व विधायक मेहता एहि सम्पर्क अभियान प्रति संतोष व्यक्त करैत कहलैन जे आपसी सम्पर्क आ समन्वय सँ नीक संगठन ठाढ होयत। वैह संगठन राज्य लेल संघर्ष केँ तेज कय सकैत अछि। हरेक पंचायत ओ प्रखण्ड मे सम्पर्क अभियान कोना पहुँचत ताहि दिशा मे सेहो मिरानिसे अभियानीक ध्यानाकर्षण हो आर एहि मे जाहि तरहक सहयोग चाही से ओ करबाक लेल तैयार छथि। मिरानिसे अभियानी लोकनि केँ अपन प्रसिद्ध प्रतिष्ठान जीवन ज्योति अस्पताल मे भरपूर स्वागत आ सत्कारक संग आगामी अधिवेशन मे स्वयं द्वारा सब तरहक सहयोगक वचन सेहो देलनि। संगहि मांगन मिश्र द्वारा मिरानिसे केर अभियान सँ एक बेर फेर एहि क्षेत्रक लोक मे आबि गेल नैराश्यभाव दूर होयत आ अपन मूल पहिचानक संग स्वराज्यक सपना पूरा होयत से विश्वास जतौलनि।