मैथिली स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षिक सम्मान विराटनगर मे

मैथिली स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ बब्बर सिंह थापा स्मृति पुरस्कार - २०७१ सम्मान सँ सम्मानित कैल जायत

आमंत्रणक संग बधाई ज्ञापन:

 

मैथिली स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि
मैथिली स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि

मैथिलीक महान स्रष्टा आ हमरा लोकनिक मार्गदर्शक – प्रेरक – संरक्षक श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि जी केँ विराटनगर मे समारोहपूर्वक सम्मान कैल जा रहल अछि। सम्मानित स्रष्टा प्रेमर्षिजी केँ हार्दिक बधाई दैत विराटनगर मे उपस्थित – समस्त मैथिलीप्रेमी महानुभाव केँ आमंत्रित कय रहल छी।

सम्मानक नाम: बब्बर सिंह थापा स्मृति पुरस्कार-२०७१
सम्मानित व्यक्तित्व: मैथिली भाषा स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि जी
स्थान: श्री कृष्णा पार्टी पैलेस, विराटनगर
तिथि: वैशाख ५ गते, २०७२ विसं
समय: २ बजे अपराह्न
सम्मानकर्ता: बब्बर सिंह थापा स्मृति गुठी

ज्ञात हो जे स्व. बब्बर सिंह थापा एक प्रसिद्ध नेपाली भाषा बाल-कथाकार आ प्राज्ञ छलाह, हिनक धर्मपत्नी स्व. देव कुमारी थापा सेहो एक अति लोकप्रिय अभियानी तथा विदुषी छलीह जे अपन पतिक स्मृति मे ई गुठीक स्थापना करैत साहित्यसेवी लोकनिकेँ सम्मान प्रदान करबाक निर्णय केने छलीह। प्रतिवर्ष ई सम्मान कोनो प्रसिद्ध स्रष्टा केँ देल जाइत अछि। एहि बेर गुठी द्वारा मैथिलीभाषाक स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ देबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहि तरहक सहकार्य-संस्कृति आ भाषिक एकता-समीपताकेँ समस्त मैथिलीभाषी हृदय सँ सराहना कय रहल अछि।

हरि: हर:!!