मैथिली मिडियामे क्रान्तिः आबि रहल अछि ‘जेएम न्युज’ चैनेल

 

दिल्ली। जनबरी २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

anup kumarपी७ चैनेल केर पूर्व प्रोग्राम डायरेक्टर अनुप कुमार कर्ण द्वारा मैथिली मिडिया क्षेत्र मे नव युगक आरम्भ करबाक निर्णय लेल गेल अछि। आनलाइन टेलिविजन चैनेल केर रूप मे ‘जयहिंद मैथिली न्युज’ अर्थात् जेएम न्युज चैनेल केर शुरुआत शीघ्र होयबाक जानकारी करबैत अनुप कुमार कर्ण मैथिली जिन्दाबाद सँ कहलैन जे “एहि न्यूज़ चैनल केँ PVT Ltd प्रारूप पर बना रहल छी। अपन स्टूडियो लगभग तैयार भऽ गेल अछि। एखन अफिसियली एकरा शुरु नहि कैल गेल अछि। आवश्यक तैयारी पूरा भेलाक बाद एकरा औपचारिक रूप सँ शुरुआत करब। एखन ट्रायल शो आदिक संग प्रचार-प्रसार शुरु कय देने छी।”

jm newsनिश्चित तौर पर अनुप कुमार कर्ण नहि मात्र एकटा टेलिविजन चैनल केर अनुभवी प्रोग्राम डायरेक्टर केर अनुभवक उपयोग मैथिली मिडिया क्षेत्र मे करता बल्कि हिनकर विशाल अनुभव मैथिली फिल्म ओ कलाक संग-संग पर्यटन विकास केर रुचि मे सेहो मिथिलाक हित लेल सोचैत एहि डेग केँ क्रान्तिकारी प्रमाणित करत।

बतबैत छथि जे एहि चैनल मार्फत “मैथिली दिल्ली, मैथिली मधेस, मैथिली दुबई या फेर मैथिली अमेरिका नाम सँ कार्यक्रम/रिपोर्टिंग सेहो कैल जायत। स्मार्ट फोन काफी होयत रिपोर्टिंग करबाक लेल।”

एकर शुरुआत करबाक आइडिया कोना आयल, ताहि पर हिनकर कहब छन्हि जे “लोक केँ जोड़बाक लेल कोनो नव आइडियाक तलाश करैत-करैत एहि चैनेल केर संचालनक आइडिया भेटल छल। कहि सकैत छी जे लोक सबकेँ जोड़य केर अभियान शुरू करय जा रहल छी।”

एकर संचालन लेल कि सब सोचलहुँ, अनुपजी जानकारी देला जे “सब क्षेत्र मे रिपोर्टर/प्रतिनिधि चाही। आइ जे स्वयं जुड़ता काल्हि प्रोफेशनल पार्ट हेता। विशेष अहाँक सलाह आ दूरदर्शिता ज़रूर काम आयत।”

jm news1अनुपजी द्वारा भैर साल मे राष्ट्रीय स्तरक अनेको सरकारी तथा गैर-सरकारी टेलिविजन कार्यक्रमक स्क्रीप्ट लेखन कैल जाएछ। हिनका संग पैछला बेरुक दिल्ली प्रवास पर भेट भेल समय मे विभिन्न रुचिक विषय पर विस्तृत चर्चा भेल छल। पी७ चैनेल केर दुर्भाग्यवश बंद भेला सँ अपन सक्रियता सृजनशील कार्यक दिशा मे बढौलनि। मैथिली प्रति सब दिन किछु न किछु करैत रहबाक उर्जा सँ भरल अनुप जी द्वारा मैथिली फिल्म “डमरू उस्ताद” केर निर्देशन सेहो कैल गेल अछि। फिल्म निर्देशनक क्षेत्र मे नहि केवल मैथिली सिनेमा बल्कि दूरदर्शन सहित अन्य-अन्य चैनेल लेल प्रचार वास्ते बनायल गेल कन्सेप्ट सूटिंग – एड सूटिंग आदिक सेहो निर्देशन मे हिनका महारत हासिल छन्हि।

वर्तमान समय आर कि सब चलि रहल अछि, ताहि पर कहलनि, “डीडी बिहार वास्ते सेहो एगो धारावाहिक केर पायलट शूट जल्दिये करब। डमरू उस्ताद होलीक आसपास निर्माता द्वारा बिहार मे रिलीज कैल जायत।”

अन्त मे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सँ अपन शुभकामना संदेश मोबाइल द्वारा पठेबाक अनुरोध केलैन अछि। आर तहिना मैथिली जिन्दाबाद केर विभिन्न गणमान्य पाठक लोकनि सँ अनुरोध करैत कहलैन अछि जे अपन गाम-क्षेत्र मे भऽ रहल कोनो कार्यक्रम, घटना-परिघटना आदि केँ एहि अनलाइन न्युज चैनल मार्फत समस्त मिथिलाक लोक केँ जानकारी देबाक हो तऽ जरुर मेल पर वा व्हाट्सअप पर सम्पर्क करी। अपन मेल आइडी – [email protected] केर संग मोबाइल नंबर ८८६०६०९२३६ सेहो पाठक लेल उपलब्ध करौलनि अछि। संगहि एहि न्युज चैनल केर अनलाइन पताः http://www.jaihindmaithilinews.in/ पर अयबाक विनम्र अनुरोध करैत अनुप जी शुभकामना संदेश पठेबाक लेल कहलनि अछि।

विदित हो जे ई एकटा साधारण अनलाइन न्युज चैनल टा नहि वरन् मैथिल केर पहिचान केँ आरो वृहत् स्तर पर पहुँचेबाक एकटा अभियान सेहो छी। आजुक ग्लोबल संसार मे मैथिलक पहिचान केँ विश्व स्तर पर पहुँचेबाक लक्ष्यक संग एकर शुरुआत कैल गेल अछि। जेएम न्युज केन्द्र द्वारा मैथिलीक संग-संग पड़ोसी भाषा भोजपुरी, मगही, बज्जिका तथा ऊर्दू, पंजाबी तथा सिन्धी मे सेहो कार्यक्रम सब टेलिकास्ट करत, एकर परिचायिका मे जानकारी उपलब्ध कराओल गेल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक तथा समस्त परिवारक तरफ सँ एहि न्युज चैनेल केर सफलताक शुभकामना दैत छी। जुड़ल रहू अपन भाषा मैथिलीक हर अभियान संग आर जिन्दाबाद करैत रहू मिथिलाक हर स्तर पर। मैथिली जिन्दाबाद!!