चामुण्डा माय (पचही, मधेपुर) केर दर्शन

मलयनाथ मिश्र, मधेपुर (मधुबनी)। २८ अगस्त, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

chamunda mai1गाम-गाम आ ठाम-ठाम पर बसैत छथिन आदिशक्ति जगदम्बा, ताहि सुन्दर मिथिला भूमि पर बनल अछि लाखों छोट-छोट सुन्दर-सुन्दर जगदम्बाक मन्दिर जतय जुटैत अछि लाखों श्रद्धालू-भक्तक भीड़ आ पूजा-आराधना सतति चलिते रहैत अछि। एहने एकटा अति सुन्दर स्थल अछि – पचही (मधेपुर) – जिला मधुबनीक माँ चामुण्डा स्थान।

 

chamunda mai2

जप-तप करबाक लेल सेहो ई स्थान एतेक रमणीय अछि जेकर अनुभूति एतय अबिते कोनो श्रद्धालू-साधक केँ होइत अछि। नितांत शांत आ निर्जन वन सदृश एहि स्थान मे प्रवेश करितहि चंचल मन स्थिरताकेँ प्राप्त करैत अछि। शायद यैह कारण छैक जे आइयो एहिठाम साधक लोकनिक हुजुम नित्य पूजा-दर्शन लेल दूर-दूर प्रदेश सँ अबैत अछि।

एहि तपोभूमि मैयाजीक स्थान मे सालों भरि विभिन्न प्रकारक धार्मिक अनुष्ठान चलिते रहैत अछि। कहियो सवा लाख महादेवक पूजन तऽ कहियो सामूहिक कुमारि-ब्राह्मण भोजन, वार्षिक शक्ति पूजा दुर्गा पूजा मे कैल जाइत अछि। एतय बहुत पैघ मेला सेहो लगैत अछि। संपूर्ण ग्रामीणक एकजुटता सँ एहि स्थलक विकास आ रख-रखाव करबाक अद्भुत नमूना अछि ई पवित्र स्थान।

chamunda mai4

मैयाक दर्शन लेल क्षेत्रीय (झंझारपुर) सांसद वीरेन्द्र चौधरी, संग मे स्थानीय समाजसेवी तथा कार्यकर्ता लोकनि। फोटो: राकेश झा, पचही, मधेपुर

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 1 =