कतार सँ खुशी के खबड़

अगस्त २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

कतार सँ बिन्देश्वर ठाकुर समाद दैत छथि, “खुशीके खबर ….. खुशीके खबर …. खुशीके खबर”

मैथिली भाषा-साहित्यमे रुचि रखनिहार तथा सृजना केनिहार सर्जक-स्रष्टासबहक लेल खुशीके खबर ……

anesas qatarइएह अगस्त, 2015 सँ प्रतेक मासक अन्तिम शुक्रदिन शुरु होबए जा’ रहल मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम – “साँझक चौपारि-पर” मे अपन-अपन मैथिली-गीत,गजल,कविता वा आन-आन रचनासब सुन’ सुनएबाक लेल जरुर सम्पर्क करी । ‘मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा’ कहल मूल नाराके साथ आयोजना होबए बला एहि बैसारक मूल उदेश्य कतारमे रहि रहल मैथिल सर्जक,स्रष्टा तथा साहित्यप्रति अभिरुचि रखनिहार मैथिल प्रतिभाके एकतृत क’ एक-दोसरसँ परिचय कराएब आ प्रवासमे रहियोक अपन भाषा-साहित्यके विकास करबाक अछि । अत: कतारक कोना-कोनामे पसरल साहित्य सेवक आ मैथिलप्रेमीसवसँ सादर अनुरोध जे एहि सूचनाके अधार मानि निम्न मिति तथा स्थानमे अपन सहभागिता जरुर जनाबी ।

मिति : 28 अगस्त, 2015
स्थान : मुन्ताजा पार्क,होलीडे बिल्ला होटलके आगु
समय : 5 बजे सँ 7 बजे धरि

विशेष सम्पर्क लेल :
प्रणव झा – 30142505
अब्दुल रजाक – 66205492
बेचन महतो – 30865048
विन्देश्वर ठाकुर – 70032871/33959055
रबिन्द्र उदासी – 70271090
Md असरफ – 3006783,8
मनिष कुमार राय – 66092639
दिपेन्द्र साह – 30217262