वैवाहिक परिचय सभा: दहेज मुक्त मिथिला आ मैथिली जिन्दाबाद केर संयुक्त अभियान

आम अपील

वर्ष २०१५ मे दहेज मुक्त मिथिला द्वारा दिल्ली मे एकटा वैवाहिक परिचय सभा केर आयोजन कैल जेबाक अछि। एहि लेल आवश्यक तैयारी कैल जा रहल अछि। एहि परिचय सभाक आयोजन तिथि आ स्थान केर विस्तृत जानकारी शीघ्रे करायल जायत। ताहि सँ पूर्व मैथिली जिन्दाबाद संग सहकार्य करैत अनलाइन परिचय संकलन आ अनलाइन परिचय सभाक आयोजन हेतु आम जनमानस मे अपील अछि।

matrimonialकृपया वर या कन्याक पूर्ण व्योरा आ अपन सम्पर्क नंबर, फोन, ईमेल आदि पठाउ: जेना एकटा उदाहरण एतय राखि रहल छी।

उपयुक्त वर चाही:

मैथिल ब्राह्मण कन्या,
जन्म-वर्ष: १९९२, गोत्र: साण्डिल्य
शिक्षा: ग्रेजुएट (कमर्स), आरके कालेज, मधुबनी सँ प्रथम श्रेणी उतीर्ण,
ग्राम: पचदही, राजनगर, मधुबनी
रंग: गोर
पिता: अवकाश प्राप्त शिक्षक
सम्पर्क: https://www.facebook.com/sanjay.jha.96″

अपने लोकनि सेहो अपन-अपन परिचय किछु एहि तर्ज पर वा आरो विस्तृत पठा सकैत छी। आशा करैत छी जे एहि मुहिम सँ दिन-ब-दिन बढि रहल कुटमैतीक समस्याक बहुत हद तक समाधान होयत।

– दहेज मुक्त मिथिला एवं मैथिली जिन्दाबाद!!