फेसबुक सँ यथार्थक धरातल: सहरसा ग्रुप मिलन समारोह काल्हि आयोजन कैल जायत
सहरसा, अगस्त १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
लगभग एक महीना पूर्वहि सँ नियारल कार्यक्रमक आयोजन काल्हि क्रान्तिभूमि सहरसा मे होयबाक निस्तुकी जानकारी भेटल अछि। पूर्व निर्धारित तिथि १६ अगस्त, २०१५ तदनुसार रवि दिन फेसबुक केर सहरसा समूह केर युवा – उत्साही – सृजनशील सदस्य लोकनि द्वारा नियारल कार्यक्रम ‘सोशियल मिडिया मीट’ – “सहरसा ग्रुप’स मिलन समारोह” केर रूप मे मनाओल जायत। संयोजक कुमार रविशंकर तथा लुकमान अली मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करबैत कहलनि जे ई आयोजन रेड क्रस भवन सहरसा मे होयत। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक प्रस्तावित यात्रा १८ अगस्त, २०१५ केँ सहरसा मे होयबाक कारणे जगह केर उपलब्धताक समस्या भेल, तथापि पूर्वहि सँ निर्धारित एहि कार्यक्रम लेल सहरसा समाजक बड पैघ सहयोग भेटल अछि। प्रशासन सँ सेहो एहि कार्यक्रमक आयोजन लेल समुचित आदेश लेल गेल अछि।
कार्यक्रम मे पहिनहि सँ घोषित ‘सोशियल मिडियाक महत्व’ विषय पर सेमिनार तथा मैथिली तथा हिन्दी भाषाक कवि सम्मेलन केर आयोजन कैल जायत। एहि मे सहरसा ग्रुप सँ जुड़ल विभिन्न हस्ती सबकेँ आमंत्रित कैल गेल अछि। युवा डेग द्वारा एहि तरहक सम्मेलनक आयोजन फेसबुक सन आभासी स्थल सँ यथार्थ धरातल पर उतारबाक एकटा नीक अनुभव भेट रहल अछि, ई भावना सेहो आयोजकवर्ग द्वारा राखल गेल। मैथिली जिन्दाबाद केर समाचार संपादक किसलय कृष्ण तथा हमरो विशेष रूप सँ आमंत्रित कैल गेल अछि। ओतहि मैथिली सहित सहरसाक चौतर्फा विकास लेल प्रशासन आ समाज संग डेग-सँ-डेग जोड़ि चलनिहार प्रसिद्ध अभियानी अमित आनन्द केर उपस्थिति सँ एहि कार्यक्रमक गरिमा बढबाक संभावना अछि। संगहि हिन्दी भाषा आ साहित्य मे उल्लेखनीय योगदान देनिहार अरविन्द श्रीवास्तव केर सक्रिय उपस्थिति सेहो एहि कार्यक्रम विशिष्टता रहत। विस्तार सँ आरो उपस्थितिक जानकारी उपलब्ध नहि भऽ सकल अछि, तथापि मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ एहि सुन्दर प्रयासक संपूर्ण सफलता लेल शुभकामनाक संग उपस्थिति देबाक लेल प्रतिबद्धता प्रकट करैत छी। मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक धरातल पर विकसित मस्तिष्क आ विस्तृत योजनाबद्ध कार्यक्रमक भरमार एकर पौराणिक समृद्धि केँ स्मृति मे आनैत अछि। जखन कि वर्तमान मिथिला सँ ७०-८०% युवा जनमानस पलायन केर शिकार अछि, तथापि दूर-दराज मे रहितो अपन मातृभूमि प्रति स्नेह राखि एहि तरहक आयोजन सँ एकर समृद्धि पुनर्वापसी करैत देखाइत अछि।
Aug 24, 2015 - 6:15 pm
(Sandil Gotra)
DOB:25/12/1989, Village : Ghanshyam Pur, Post : Ghanshyam Pur, Dist : Darbhanga, B.Com A.B.M.Collage Jamshed Pur, Job Profile : Accountant, Company : Greyhound Engineers India Pvt.Ltd.
Aug 25, 2015 - 2:51 am
@प्रभाकर जी! परिचय केर संग ईमेल या फोन सम्पर्क जरुर देल जाय जिनका संग सम्बन्धित जिज्ञासू पक्ष गप कय सकैत छथि। अपनेक बहुत धन्यवाद। ई परिचय ‘वर’ केर भेल, ‘कनियां चाही’ ई शीर्षक वर्गीकृत करैत एबाक छल। तथापि, शुरुआत मे जे कोनो कमी-बेसी हेतैक तेकरा हम सब आपसी वार्ता सँ समाधान कए लेब। अहाँक फेर सँ धन्यवाद। आरो परिचय एकत्रित करय मे सहयोग दी। हरि: हर:!!