राजकमल चौधरी रचनावली केर दिल्ली मे होयत विमोचन

किसलय कृष्ण, सहरसा। जुन १४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

rajkamal choudhary rachanaavaliमैथिली तथा हिन्दीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार स्व. राजकमल चौधरीक ४९म पुण्यतिथि एहि बेर पहिने सँ बेसी भव्यताक संग मनाओल जयबाक समाचार अछि। एक तरफ १९ जुन केँ सहरसा मे भव्य समारोहक आयोजन करैत विभिन्न चरण मे दिन भरिक कार्यक्रम आयोजन कैल गेल अछि जाहि मे विशिष्ट अतिथि नेपाल व भारत सँ भाग लेता तऽ दोसर दिशि एहि दिन भारतक राजधानी दिल्ली मे ‘राजकमल चौधरी रचनावली’ ( 8 खण्ड मे ) डा. देवशंकर नवीन केर सम्पादन मे प्रकाशित रचनाक विमोचन साहित्य अकादमी सभागार, दिल्ली मे प्रख्यात आलोचक नामवर सिंह केर अध्यक्षता मे आयोजन कैल जायत। एहि विमोचन समारोहक विशिष्ट अतिथि इतिहासकार डी. एन. झा तथा मुख्य वक्ता मैनेजर पाण्डेय केर अतिरिक्त मृदुला गर्ग, मनीषा पाण्डेय आदि सहभागी बनता। तहिना एहि कार्यक्रम मे विशेष सान्निध्य स्व. राजकमल केर एकमात्र सुपुत्र आ स्वयं एक प्रखर कवि नीलमाधव चौधरी केर रहत। 

एहि समारोह मे विशेष रूप सँ भाग लेबाक लेल महिषी तथा बनगाँव सँ क्रमश: अमित आनन्द आ अभिमन्यु खाँ आ महिषी डट ओआरजी केर संस्थापक अमित चौधरी मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत स्व. राजकमल चौधरीक स्मृति मे भिन्न-भिन्न साहित्यिक गोष्ठी आयोजन पर खुशी जतबैत आगामी समय मे गामहु मे एहि दिवस केँ विशेष रूप सँ मनायल जयबाक समाचार देलनि। स्व. राजकमल चौधरीक लेखन शैली आ लेखनी सँ समाज मे व्याप्त दाकियानूसी विचारधाराक कठोर विरोध आइयो ओतबे प्रासंगिक अछि, श्री आनन्द कहलनि। सहरसा केर आयोजन लेल एकटा विशेष फेसबुक पेज निर्माण द्वारा बेसी सँ बेसी लोक केँ सहभागिता प्रति जिज्ञासा प्रकट करैत कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न हो से शुभकामना प्रकट केलनि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

9 Responses to राजकमल चौधरी रचनावली केर दिल्ली मे होयत विमोचन

  1. Vimal ji mishra

    बहुत कम लोग होएत अछि जे अल्पायु में रहितो समाजक लेल अनुपम कृतिमान स्थापित केलक अछि । मैथिली साहित्यक ध्रुव राजकमल चौधरी जी,समाजक भेद भाव पर अपन कलम सँ सदिखन प्रहार करैत रहल । हुनक बिचार सब कतेको कें पसंद नहि छल, तथाऽपियो कलमक धार कम नहि पड़ैत छलैन्हि । आए बड्ड खुशि भऽ रह अछि जे हुनकर कृति आ निष्ठा कें प्रति समाज बिशेष रूप सँ जागरुक भऽ रहल अछि । एहि क्रम में आठ खण्ड में किताबक विमोचन दिल्ली में आ आगामी 19/6/2015,कें राजकमल स्मृति दिवसक आयोजन सहरसा में कएल जा रहल अछि । कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि-श्री महेन्द्र मलंगिया। मुख्य अतिथि-प्रदिप बिहारी, डा.रेणु सिंह,श्री प्रविण नारायण चौधरी,डा.के पी सिंह,ऋषि बशिष्ठ । प्रमुख वक्ता – तारानन्द वियोगी,बिमल कान्त झा,अमर नाथ झा, मेनका मल्लिक,विमल जी मिश्र, सुभाष चन्द्र यादव,अरुणाभ सौरभ,अरविन्द मिश्र नीरज,श्वाति शाकंभरी,अरबिन्द ठाकुर,रुपम झा,कमल मोहन चुन्नु आदि । कार्यक्रम-10 बजे सँ सेमिनार,6बजे कवि गोष्ठि,7बजे,प्रदिप बिहारी लिखित आ किसल कृष्णक द्वारा निर्देशित नाटक’ “शक्ति रुपेण संस्थीता” । 7:40 सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम -पवन नारायण,रंजंना सिंह,किरण पाठक आदि कें द्वारा ।

  2. ideas for your blog you might be interested in hearing.

  3. Hi there mates, pleasant article and fastidious arguments commented here, I am actually enjoying by these.|

  4. I am regular reader, how are you everybody? This post posted at this site is in fact fastidious.|

  5. I am sure this paragraph has touched all the internet visitors, its really really pleasant article on building
    up new weblog.

  6. A round of applause for your article.Really looking forward to read more. Much obliged.

  7. wow, awesome article. Really Great.

  8. Pingback: michael jordan shoes

  9. Pingback: moncler outlet

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

8 + 2 =