कि अहाँ सेहो मैथिली पत्रकार बनय चाहि रहल छी?

“मैथिली जिन्दाबाद पर सीधा लेखन लेल आफर”
 
दहेज मुक्त मिथिला समूह पर एक सँ बढिकय एक लेखिका आ लेखक सब केँ देखि मैथिली भाषा-साहित्य जगत मे काफी उत्साह अछि। फेसबुक पर लिखल लेख सब छिड़िया जेबाक खतरा अछि, बहुत लोक अपनहि पुरान लेख केँ ताकियो नहि पबैत छथि। एहि समस्याक समाधान लेल वेबसाइट पर संग्रह कय केँ प्रकाशन कयलापर ओ सदा-सदा लेल सुरक्षित रहैत अछि, कियो कखनहुँ गूगल या आन कोनो सर्च इन्जिन सँ सर्च कय केँ सेहो पढि सकैत अछि – भविष्यक पीढी लेल ई बहुत पैघ सान्दर्भिक आ उपयोगी सिद्ध होयत सेहो तय अछि। अतः मैथिली जिन्दाबाद द्वारा अहाँ सब जे इन्टरेस्टेड छी हुनका ई आफर देल जा रहल अछि जे अहाँ केँ सीधा लेखन करबाक लेल, पत्रकार बनबाक लेल आर कथा-कविता वा कोनो तरहक साहित्यिक सेवा करबाक लेल ‘यूजरनेम आ पासवर्ड’ उपलब्ध करेबाक संग-संग वेबसाइट पर केना पोस्ट कयल जाइत छैक, से ट्रेनिंग सेहो देल जायत।
 
एहि आफर सँ जुड़बाक लेल अपन ईमेल आईडी, स्थान, व्हाट्सअप नम्बर कमेन्ट बौक्स मे पठाउ। या फेर हमरा व्हाट्सअप करू – हमर व्हाट्सअप नम्बर जे नेपालक छीः +9779801722981. 
मैथिली जिन्दाबाद पर अहाँ दू तरीका सँ लेखन कार्य कय सकैत छी। एक – साहित्यिक रचना सब जे लिखैत छी ओ सीधा प्रकाशित कय सकैत छी; आ दोसर, अहाँ जाहि ठाम रहैत छी, जाहि गाम-इलाका सँ छी, ताहि ठाम (गाम-इलाका) सँ जुड़ल समाद (खबरि) सब सेहो लिखि सकैत छी।
 
साहित्यिक रचना मे कविता, कथा, गीत, नाटक, उपन्यास, धारावाहिक, फिल्म सक्रिप्ट, विज्ञापन, कोनो महापुरुषक जीवनी, इतिहास, अनुवाद आदि अनेकों बात अबैत छैक। अहाँक प्रभावशाली लेख सँ लोक बहुत जल्दी प्रभावित हेता आ अहाँक एकटा लेखकक छवि सँ लोकप्रियता आ जीवनक सफलता स्थापित होयत।
 
दोसर महत्वपूर्ण आ हल्का काज छैक ‘संचारकर्म’। एहि मे समाचार लिखबाक छैक। कतहु कोनो घटना घटलैक या फेर कोनो एहेन बात भेलैक – हेतैक – ताहि सब पर खबरि लिखू। एतबा नहि, अहाँ कोनो ऐतिहासिक या पर्यटकीय स्थान सभक फोटो संग ओतुका विशेषता सब सेहो लिखि सकैत छी।
 
हरिः हरः!!