५ दिन भीतर नेपालक सब जिल्ला में भारत द्वारा देल गेल वैक्सीन केर वितरण हेत शुरू।

796
भारत द्वारा मित्रराष्ट्र नेपाल केँ १० लाख कोरोना वैक्सीन केर पहिल सहायता खेप प्रदान कयल गेल

काठमांडु- सरकार भारत द्वारा उपलब्ध कराओल गेल खोप पांच दिन के अंदर जिल्ला के स्टोरेज हाउस तक पहुँचेबाक योजना बनेने अछि। खोप लगेबाक दिन एखन धरि निर्णय नहीं भ सकल अछि।
“कानुनी, प्रशासनिक, आर्थिक और प्राविधिक प्रक्रिया पूरा करि खोप लगेबाक तयारी सम्पन्न भेल अछि”, स्वास्थ्यमंत्री हृदयेश त्रिपाठी कहलखिन, प्राथमिकता स्वास्थ्यकर्मी, सफाइकर्मी, एम्बुलेंस चालक, शव व्यवस्थापन में खटनिहार सब छेथिन।” स्वयंसेविका सबके सेहो स्वास्थ्यकर्मी संगे पहिल चरण में खोप लगायल जेतैन से मंत्रालय जनेने अछि। देश भरि में ५२ हजार महिला स्वयंसेविकासहित करिब ३ लाख स्वास्थ्यकर्मी हेबाक मंत्रालय के कहनाय अछि। काठमांडु में आय ११: ४५ में एयर इंडिया में अबै वला वैक्सीन त्रिभुवन विमानस्थल स सीधा टेकु स्थित केंद्रीय खोप भंडार में राखल जायत। भारतीय राजदूत विनयमोहन क्वात्रा विमान स्थल स स्वास्थ्य मंत्रालय के खोप हस्तांतरण करथिन। विमान स्थल स टेकुके केंद्रीय खोप भंडार तक ल जेबाक हेतु तापक्रम कायम करैत उपकरणजडित दु टा ट्रक तयारी अवस्था में राखल गेल अछि।
कोन प्रदेश में कतेक खोप पठेबाक छै से विवरण एखन धरि तयार नहीं भेल अछि। जिल्लागत विवरण आय सांझ तक तयार हेबाक बात स्वास्थ्य मंत्री त्रिपाठी बतोलइन।
केंद्रीय भण्डार स दु दिन भीतर प्रदेश में और प्रदेश स थप दु दिन भीतर जिल्ला स्थित भण्डार स्थल में पहुँचेबाक योजना विभाग स्रोत द्वारा जानकारी करायल गेल अछि। “बेसी स बेसी पांच दिन भीतर जिल्ला में वैक्सीन पहुँच जेत”, स्रोत के कहबि अछि। खोप लगौनिहार व्यक्ति के तालीम देनाई एखन धरि बाँकी अछि। खोप लगेबाक स्थान में आवश्यक समान सेहो एखन धरि नहीं पठाओल गेल अछि। विभाग के खोप शाखा प्रमुख डॉ, झलक गौतम कर्मचारी सभक तालीम चैल रहल अछि से जानकारी करोलइन।
“खोप वितरण, ढुवानी, भण्डारण, स्वास्थ्यकर्मी के तालीम और सामग्री सब एक साथ वितरण होयत ओ कहला। विभाग बुध दिन काठमांडु के उपत्यका के अस्पताल प्रमुख संगे केना व्यवस्थित रूप में खोप लगायल जायत से छलफल केने छेला। हुनक अनुसार पहिल चरण में स्वास्थ्य कर्मी और फ्रंटलाइन में खटनिहार के जिल्ला अस्पताल द्वारा खोप देल जायत। विभाग स्थानीय तह मार्फत खोप लगेबाक स्वास्थ्यकर्मी के तथ्यांक संकलन कैर चुकल अछि। एकरे आधार पर मंत्रालय खोप पठेबाक निर्णय केने अछि। करीब ३० करोड़ जनसंख्या के संग, नेपाल सरकार ७२ प्रतिशत नागरिक के खोप लगेबाक योजना बनओने अछि। नेपाल ई घोषणा केने अछि जे खोप लगेबाक कानूनी और वित्तिय तयारी पूरा भ चुकल अछि और ई अभियान के लेल सब तयारी सम्पूर्ण ढंग स पूरा भ चुकल अछि।