गीत-संगीत सिखबाक सुअवसर – रेडियो नेपाल केर उपक्रम विराटनगर मे

विराटनगर, २६ दिसम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिलीक लेजेन्ड सिंगर – सुपरिचित नाम ‘रामा मंडल’ जे हाल रेडियो नेपाल मे पदस्थापित रहि गीत-संगीत आ राष्ट्रसेवा कय रहला अछि, ओ मैथिली जिन्दाबाद केँ शुभ समाचार दैत कहलथि, “आब रेडियो नेपाल विराटनगर मे सेहो आबि गेल अछि। गीत-संगीत सिखबाक लेल एकटा नीक पहल आरम्भ भेल अछि। आशा करैत छी जे विराटनगर केर लोक लेल ई बहुत पैघ अवसर सिद्ध होयत।”
 
विदित हो जे स्ट्रीट सिंगर सँ रेडियो सिंगर बनबाक वृत्तान्त स्वयं रामा मंडल संग यैह रेडियो नेपाल केर उपक्रम सँ भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद पर पूर्व प्रकाशित साक्षात्कार मे श्री मंडल अपन जीवन यात्रा कतय सँ केना-केना आरम्भ भेल आर केना आइ धरिक यात्रा कय सकल अछि ताहि मे रेडियो नेपाल केर योगदान अविस्मरणीय होयबाक आख्यान सुनौने छथि।
 
एहि तरहें आब नव-नव ‘रामा मंडल’ जन्म लियए से व्यवस्था काठमांडू या धनकुटा या धरान जतेक दूरी नहि तय करय पड़त। विराटनगर एक ऐतिहासिक नगरी रहल अछि, जतय अनेकों भाषाभाषी आ कला-संस्कृति साझा रूप मे फूलाइत अछि, फलैत अछि। एहेन समरस आ समत्वक सुमधुर भूमि पर रेडियो नेपाल द्वारा गीत-संगीत प्रशिक्षण हेतु स्वयं रामा मंडल सहित अनेकों प्रशिक्षक लोकनि केँ उपलब्ध करेनाय बहुत पैघ क्रान्ति आनत। एकर लाभ सैकड़ों प्रशिक्षु आ गायन क्षेत्र मे भविष्य निर्माण कयनिहार इच्छूक व्यक्ति सब करताह से निश्चित अछि।
 
मैथिली जिन्दाबाद संग अपन सम्पर्क नम्बर (+9779803217518) शेयर करैत श्री मंडल कहलथि जे विराटनगर महानगरपालिका आ धरान रोड मुख्य मार्ग सँ राजवंशी चौक केर आगाँ खारजी कोहबारा चौक सँ पश्चिम मात्र २ मिनट चलिते रेडियो नेपाल केर ई प्रशिक्षण केन्द्र खुजल अछि। जिनका किनको एहि अवसरक लाभ लेबाक इच्छा अछि से कृपया रामा मंडल जी सँ सम्पर्क करी। आशा करैत छी जे ई समाचार अहाँ सभक लेल एकटा वरदान सिद्ध हुअय, जीवन मे करियर बनेबाक लेल कारगर सेहो बनय। अस्तु! मैथिली जिन्दाबाद!!
 
हरिः हरः!!
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

8 + 9 =