जगत में मिथिला हमर महान – रामभरोस कापड़ि भ्रमर रचित मिथिला गान केर लोकार्पण समारोह सम्पन्न

रामभरोस कापड़ि भ्रमर केर मिथिला गीत यूट्यूब पर रिलीज कयल गेल

12 नवम्बर 2020, मैथिली जिन्दाबाद!!

जगत में मिथिला हमर महान गीत केर भेल लोकार्पण

मिथिला केर प्रसिद्ध गीतकार आ नाटककार संग साहित्यकार, पत्रकार, पैरोकार आ अनेकों प्रकार केर योगदान दाता रामभरोस कापड़ि भ्रमर केर रचित नव आ अनुपम गीत ‘जगत में मिथिला हमर महान’ केर लोकार्पण समारोह ‘आई लव मिथिला’ फेसबुक पेज द्वारा लाइव वेबिनार मार्फ़त आइ 12 नवम्बर 2020 केँ कयल गेल।

चेतना समिति पटना केर अध्यक्ष विवेकानंद झा व वरिष्ठ शास्त्रीय संगीत गुरु सह गायक गुरुदेव कामत द्वारा संयुक्त रूप सँ जन जन केँ समर्पण कयल गेल। कार्यक्रम संचालन विद्यानन्द बेदर्दी व गजेन्द्र गजुर कयलनि। स्वागत अभिभाषण वरिष्ठ साहित्यकार सह अभियन्ता देवेन्द्र मिश्र कयने छलाह। मैथिली गीत संगीत केर गन्तव्य पर मन्तव्य नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान केर विभागीय प्रमुख धीरेंद्र प्रेमर्षि देलनि जाहि में गीतकार भ्रमर केर गीत में मिथिला के मौलिकता रहबाक विशेषता केर तथ्य आ अनुभव सुनबैत वर्तमान गीत सँ सेहो जनमानस केँ विशुद्ध लाभ भेटबाक अपेक्षा रखलाह।

मैथिली केर चर्चित उद्घोषक कमलाकांत झा, समीक्षक सम्पादक डॉ रमानन्द झा रमण, मैथिली लेखक संघ केर महासचिव विनोद कुमार झा, सुप्रतिष्ठित फ़िल्म निर्देशक सह गायक कलाकार मुरलीधर, मिथिला विकास परिषद कोलकाता केर अध्यक्ष सह नाटककार अशोक झा, मिथिलाक्षर अभियानी व कवि विनीत ठाकुर, मैथिली के वरिष्ठ लोकसाहित्यकार डॉ महेन्द्र नारायण राम एवं प्रवीण नारायण चौधरी एहि लोकार्पण समारोह केर वक्ता छलाह। सब कियो भ्रमर जीक एहि गीत केर सराहना कयलाह। एहि गीत में मिथिलाक सब लोकदेवता केर नाम आ कृतित्व केँ समेटबाक कार्य भेल अछि।

अंत मे धन्यवाद ज्ञापन करैत म्यूजिक मिथिला नामक यूट्यूब चैनल पर गीत उपलब्ध रहबाक जानकारी श्री भ्रमर सब केँ करौलनि।