दलित आ वंचित वर्गक नेता रामविलास पासवान नहि रहलाह, प्रधानमंत्री राष्ट्रपति व अन्य द्वारा शोक प्रकट

९ अक्टूबर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
 
भारतक एक लोकप्रिय नेता तथा दलित वर्गक प्रतिनिधित्व लेल जानल-मानल नाम केंद्रीय मंत्री और लोक जनशक्ति पार्टी (एलजेपी) केर संस्थापक राम विलास पासवान केर काल्हि वृहस्पति दिन सन्ध्याकाल काफी समय सँ बीमारी सँ संघर्ष करैत मृत्यु भऽ गेलनि। ओ ७४ वर्षक आयु मे दिल्लीक एक अस्पताल मे अन्तिम साँस लेलनि। हुनक सुपुत्र आ राजनीति मे युवा चेहराक रूप मे लोकप्रिय चिराग पासवान एहि बातक पुष्टि अपन ट्विट मार्फत कयलनि जाहि मे ओ लिखलनि ”पापा…. आब अहाँ एहि दुनिया मे नहि छी लेकिन हमरा पता अछि जे अहाँ जतय कतहु छी हमेशा हमर संग छी। मिस यू पापा।”
 
ओ काफी समय सँ बीमार छलाह। कनेक दिन पहिने हुनकर हार्ट सर्जरी सेहो भेल छलन्हि। राम विलास पासवान पांच दशक सँ बेसी समय सँ सक्रिय राजनीति मे छलाह आर देशक जानल-मानल दलित नेताक रूप मे हाल उपभोक्ता, खाद्य एवं सार्वजनिक वितरण मामलाक भारतीय केंद्रीय मंत्री रहथि। ओ पूर्वहु केर सरकार मे अपन दलगत समर्थन सँ भारतक केन्द्र मे कतेको महत्वपूर्ण मंत्रालय सम्हारने रहथि, जाहि मे रेलवे मंत्रालय सेहो छल। भारतक कुल ६ प्रधानमंत्रीक कैबिनेट केर मंत्री रहब सेहो हिनकहि नाम रेकर्ड अछि। तहिना सर्वाधिक मत केर अन्तर सँ विजयी सांसद बनबाक रेकर्ड सेहो हिनकहि नाम सुरक्षित अछि।
 
दिल्ली समेत कतेको राज्य आर केन्द्र शासित प्रदेशक राजधानी मे राष्ट्रीय ध्वज आधा झुकल रहत
 
भारतीय गृह मंत्रालय द्वारा केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान केर निधन पर शोक स्वरूप शुक्र दिन दिल्ली समेत सब राज्य तथा केन्द्र शासित प्रदेश केर राजधानी मे राष्ट्रीय ध्वज आधा झुकल रहबाक सूचना जारी कयल गेल अछि। हुनक अंतिम संस्कार केर दिन सेहो ध्वज झुकल रहत।
 
काल्हि राजकीय सम्मान केर संग होयत अंतिम संस्कार
 
रामविलास पासवान केर दाह संस्कार शनि दिन पटनाक दीघा घाट पर राजकीय सम्मान केर संग कयल जायत। बिहार केर नीतीश सरकार द्वारा निर्णय लेल गेल अछि जे हुनक अंतिम संस्कार राजकीय सम्मान केर संग कयल जायत।
 
आइ पटना आनल जेतनि रामविलास पासवान केर पार्थिव शरीर
 
रामविलास पासवान केर पार्थिव शरीर आइ दुपहर दिल्ली सँ पटना आनल जेतनि। हुनकर पार्थिव शरीर पार्टी प्रदेश कार्यालय मे सेहो राखल जेतनि जतय हुनकर समर्थक और चाहनिहार हुनक अंतिम दर्शन करता। पार्टी नेता राजेंद्र विश्वकर्मा एहि बातक जानकारी देलनि अछि।
 
देश एक गोट दूरदर्शी नेता गुमा देलकः राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद
 
राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद शोक व्यक्त करैत लिखलनि, ”केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान केर निधन सँ देश एक दूरदर्शी नेता गुमा देलक अछि। हुनकर गणना सर्वाधिक सक्रिय तथा सबसँ लंबा समय धरि जनसेवा करयवला सांसद मे कयल जाइत अछि। ओ वंचित वर्ग केर आवाज़ मुखर करयवला आर समाज सँ किनार लागल लोक लेल सदिखन संघर्षरत रहयवला जनसेवक छलाह।” एक अन्य ट्वीट मे राष्ट्रपति कहलनि, ”आपातकाल विरोधी आंदोलन केर दौरान जयप्रकाश नारायण जेहेन दिग्गज सँ लोकसेवा केर सीख लेनिहार पासवान जी  फायरब्रांड समाजवादी केर रूप मे उभरलाह। हुनक जनता संग गहींर जुड़ाव रहनि और ओ जनहित के लेल सदा तत्पर रहलाह। हुनकर परिवार और समर्थक लोकनिक प्रति हमर गहन शोक-संवेदना।”
 
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जतेलनि शोक
 
केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान केर निधन पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा शोक व्यक्त कयल गेल। ओ कहलनि जे राम विलास पासवान केर निधन सँ हम अपन दोस्त और मजबूत सहयोगी गुमा देलहुँ।
 
नीतीश कुमार द्वारा शोक संवेदना व्यक्त कयल गेल
 
बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो रामविलास पासवान केर निधन पर गहरा शोक संवेदना व्यक्त कयलनि अछि। मुख्यमंत्री कहलनि कि रामविलास पासवान भारतीय राजनीति केर पैघ हस्ताक्षर रहथि। ओ प्रखर वक्ता, लोकप्रिय राजनेता, कुशल प्रशासक, मजबूत संगठनकर्ता और बेहद मिलनसार व्यक्तित्व केर धनी छलाह।
 
(समाचार आ फोटोः साभार हिन्दुस्तान)
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

2 + 8 =