दहेज मुक्त मिथिला वेबिनार १ – अपन योगदान – जमीनी अभियान

२७ सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिला वेबिनार – १
 
अपन योगदान – जमीनी अभियान
 
काल्हि २६ सितम्बर सन्ध्याकाल ९ बजे सँ ११ बजेक समय मे ‘अपन योगदान – जमीनी अभियान’ विषय पर दहेज मुक्त मिथिला द्वारा प्रथम वेबिनार केर आयोजन कयल गेल। एहि आयोजन मे स्वेच्छा सँ सदस्य लोकनि अपन सहभागिताक सूचना दैत जुड़लाह। काठमान्डू सँ इंजीनियरिंग केर तेसर वर्षक छात्रा प्रीति झा, सुपौल सँ वरिष्ठ समाजसेवी किशोर कुमार झा, मुम्बई मे दहेज मुक्त मिथिलाक व्हाट्सअप समूह केर संचालिका कल्याणी ठाकुर, दिल्ली सँ समूहक मौडरेटर एवं ‘लेखनीक धार’ प्रतियोगिताक संयोजिका भावना मिश्र, दरभंगा व्हाट्सअप समूहक संचालिका सह ग्रुप मौडरेटर भारती झा, ग्रुपक सक्रिय सदस्या एवं मैथिल स्वाबलम्बी कन्याक प्रतिपादक सीतामढी सँ राधिका झा अपन माँक संग, मुम्बई सँ एडवोकेट ज्योति झा एक विज्ञ सलाहकार केर तौरपर, दरभंगा सँ मैथिल युवा प्रतिनिधि जयन्त मिश्र एवं संचालक केर तौर पर हम प्रवीण नारायण चौधरी एवं श्रीमती वन्दना चौधरी सहभागी भेलहुँ। एहि मे अभय कुमार पाठक एवं विद्या नन्द चौधरी अपन नाम केर प्रस्तावना देलाक बादहु सहभागी नहि बनि सकलाह। तहिना प्रतिमा देव सेहो तकनीकी कमजोरीक चलते सहभागी नहि बनि सकलीह।
 
काल्हिक वेबिनार मे एक छात्र केर रूप मे प्रीति झा कोन तरहें अभियान केँ गतिमान बनौती ताहि पर विचार रखबाक संग-संग दहेज प्रथाक विद्यमान अवस्था हुनका समान युवतीक मन-मस्तिष्क मे कोन तरहें छाप छोड़ि रहल छन्हि ताहि पर विचार रखलीह। तहिना मुम्बई सन महानगर मे व्हाट्सअप समूह बनाकय कोना बेसी सँ बेसी दहेज मुक्त विवाह निष्पादित कयल जा रहल अछि ताहि विन्दु पर कल्याणी ठाकुर अपन विचार रखलीह। लेखनीक धार आ विभिन्न कला-प्रतिभा सँ भरल-पुरल कतेको लोकक संग समूह पर लाइव आबि दहेज विरूद्ध जनजागरण सँ अभियान केँ आगू बढेबाक संग भविष्य मे आरो गम्भीर आ महत्वपूर्ण योगदान देबाक विषय पर भावना मिश्र अपन विचार देलीह। तहिना भारती झा सेहो दहेज केर विषय मे लोकक मानसिकता केहेन रहल आर एहि लेल आगामी समय मे कोना बेसी सँ बेसी लोक मे जागरुकता आओत ताहि लेल स्वयं केर योगदान दैत रहबाक विन्दु पर विचार रखलीह। मुम्बई सँ ज्योति झा समय-समय पर समूह मे आबि लोक सब केँ दहेजक विरूद्ध कोना अपना केँ तैयार कयल जा सकैत अछि ताहि पर बजलीह। ओ कहलखिन जे बेसी सँ बेसी युवा-युवती मे एहि लेल जागरुकता एनाय जरूरी अछि। सुपौल सँ किशोर कुमार झा दहेज मुक्त मिथिला द्वारा एकटा आदर्श पद्धतिक विकास कय ताहि पर सब केँ अमल करेबाक दिशा मे काज करबाक जरूरत पर जोर देलनि। राधिका झा द्वारा मिथिलाक बेटी सब मे कोना आत्मबल बढत, ओ सब केना सुशिक्षित-सुसंस्कृत भऽ अपन पैर पर ठाढ भेलाक बाद विवाह करती ताहि विन्दु पर आ संगहि गाम-समाज मे निगरानी समिति ठाढ करबाक लेल सेहो बातचीत बढेबाक सम्बन्ध मे अपन विचार देलीह। राधिकाक माँ सेहो एक अभिभावक द्वारा कोना अपन बेटी केँ प्रोत्साहन दैत उचित शिक्षा आ स्वाबलम्बन केर मार्ग पर चलायल गेनाय जरूरी छैक ताहि विन्दु पर विचार देलीह।
 
काल्हिक वेबिनार मे २ गोट बहुत महत्वपूर्ण बात सोझाँ आयल। मिथिला केँ दहेज मुक्त बनेबाक लेल कन्यावर्ग मे शिक्षा आ स्वाबलम्बी बनबाक प्रेरणा देबाक अभियान मे तेजी अनबाक जरूरत आर दोसर जे आदर्श विवाह लेल एकटा निश्चित मानदंड तय करैत ओहि बातक गाम-गाम आ जन-जन मे प्रचारक आवश्यकता – ई दुइ बात एहि अभियान केँ जमीनी स्तर पर सफल बनायत। हालांकि संगठनक तौर पर दहेज मुक्त मिथिला ओतेक सक्षम नहि अछि तथापि विमर्शी लोकनिक एहि बात पर जोर रहलनि जे एकर जरूरत समाजक विकास लेल छैक आर एहि लेल सब कियो मिलिजुलिकय कार्य करता। कालेज केर छात्र-छात्रा सभ केँ सेहो बेसी सँ बेसी जोड़ल जेबाक कार्य लेल प्रीति झा व हुनकहि समान आरो छात्र लोकनि केँ आगू अनबाक कार्य कयल जेबाक प्रण लेल गेल।
 
एहि तरहक वेबिनार सँ अभियानक गतिशीलता केँ बढेबाक काज होयत, एहि वेबिनारक सैकड़ों दर्शक ई भावना अपन प्रतिक्रिया मे रखलनि। नेटवर्कक कमजोरीक कारण जयन्त मिश्र केर विचार मंच पर श्रव्य-दृश्य रूप मे नहि आबि सकल, परञ्च मैथिल युवाक रूप मे ओ वचन देलाह जे स्वयं आ स्वयं समान हजारों युवा केँ दहेज मुक्त विवाह करबाक प्रेरणा बाँटि अपन योगदान जरूर देब। तहिना मधेपुरा सँ एक युवा एहि वेबिनारक क्रम मे दहेज मुक्त विवाह करबाक वचन देलनि, संगहि मधेपुरा दिश अभियान केँ गतिमान बनेबाक लेल कार्य करता ओ सेहो गछलनि।
 
हरिः हरः!!
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

3 + 6 =