कतार-दोहाक एक कोरोना क्वारन्टाइन सेन्टर सँ मेल नर्स राम अधिन सम्भवक अनुभव

समसामयिक विषय आधारित लेख

– राम अधिन सम्भव, दोहा, कतार

#As_A_Company_Male_Nurse
हमरा देखल covid -19 confirmed case

बितल २ महिनामे मोटामोटी एक दर्जन confirmed covid-19 positive case पाओल गेल हमरा कम्पनीमे । Aproximately 30 people who were in closed contact with positive cases were kept in quarantine. ई सभ के हम साधारण signs /symptoms monitor केलौं । १२ गोटे confirmed cases मे सँ मात्र १ जन मे कनिक complication देखल गेल छल। हुनका २ वर्ष पहिले दिलके समान्य operation भेल रहैक । हुनका छाती दुखाइके लक्षण देखल गेल रहैक, तेँ हुनका होस्पिटल पठाओल prevention के नजर रखैत, मुदा ओतय ओ स्वयं recover भऽ गेल छलाह ।

बाँकी किछु गोटेमे केवल २ दिन सामान्य बोखार लागल आर किछ लक्षण नै देखल गेल आ ओ recovery कऽ गेल छल । हैरत के बात त ई जे एकटा स्टाफ ६७ बरख उमेरके कोविड पोजिटिभ छलाह मुदा ओ समान्य बोखार आ खाना के स्वाद तथा गलामे १/२ दिन खस-खस बाहेक कोनो लक्षण नै देखाकय recovery कऽ गेल छलाह।

तेहेन क’ २/३ गोटेके मात्र खानाक’ स्वाद आ सुगन्ध नै आबि रहल छल। ई खानाक’ स्वाद हराइ बाला लक्षण लगभग ७०% confirmed case मे देखल गेल। camp मे सुबह शाम दु बेर हरेक स्टाफके body temperature monitor कएल जाएत अछि। दुटा स्टाफके एक दिन समान्य बोखार देखल गेल आ हुनका दुनु गोटेके PCR test कएला पर पोजिटिभ देखल गेल मुदा दोसर दिन सँ ओ दुनु गोटाके नै बोखार लागल आ नहि कोनो दोसर लक्षण देखाएल । हल्का कपार भारी लगैत अछि से कहने छलाह ओइमे सँ एक जन। आर ओ दुनु स्वयम् रिकभर कऽ गेल छलाह।

एखनहुँ सब गोटे recover क’ अपन अपन काजमे लौट गेल अछि। Quarantine खाली अछि । कतारमे लगभग कोरोना समाप्त अवस्थामे अछि । कोरोना सँ डरबाक नहि अछि मात्र सावधानी करबाक अछि । अगर कियो पोजिटिभो भऽ जाएत छी त घरबाउ नै, अहाँ आत्मबल बढाक’ राखू। स्वयं नीक भऽ जाएब।

#paramedic
#Diploma_in_general_medicine