आइ रिलीज होयत प्रवासी मजदूरक पीड़ा पर केन्द्रित गीत “मजदूर छी हम”
२८ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
सिद्धान्त शेखर, मैथिली जिन्दाबाद, मुम्बई ।

एहि म्यूजिक विडिओक सहयोगी भूमिका मे इप्टा सहरसाक संजय सारथी, सुपौलक मुन्ना चमन, गौतम, मैलोरंग, नई दिल्लीक राजीव रंजन झा, मुम्बई सँ कुणाल ठाकुर आदि छथि ।
सम्पूर्ण रूप मे ई एकटा सार्थक काज सार्वजनिक होबा लेल तैयार अछि, जे आइ 28 जूलाई 2020 (मंगल)क साँझ अमर आनन्द आफिसियल यू ट्यूब चैनल पर प्रदर्शित होयत । गीतक स्क्रिप्ट नीचा पढ़ल जा सकैत अछि ।
#मजदूर_छी_हम
रोटी नूनक लेल अपन माटिसँ दूर छी हम…
व्यथा सुनत के एतय हमर, मजदूर छी हम…
ककरा हेतै घर-द्वार छोड़बाक सेहेन्ता…
मुदा आँखिमे धीयापुता परिवारक चिन्ता…
माघक शीतलहरीमे मिझाइत घूर छी हम…
रोटी नूनक लेल अपन माटिसँ दूर छी हम…
बाहरमे परबासी आ गाम लेल छी परदेसी…
ताकि रहल छी परिचय हम, आर कहू की बेसी…
मेघदिस टकटकी लगौने परती खेतक धूर छी हम…
रोटी नूनक लेल अपन माटिसँ दूर छी हम…
मायक दम्मा, बाबूक ठेंहुन दर्द मोन अछि…
चूबैत चार आ आंगन सेहो बेपर्द मोन अछि…
नूओ कीनितहुँ, ककरो माथक सिन्दूर छी हम…
रोटी नूनक लेल अपन माटिसँ दूर छी हम…
विपति अकानत हमर तेहेन सरकार नहि छै,
वोट टा चाही आओर कोनो दरकार नहि छै,
नीक दिनक सपना मे धुनाइत तूर छी हम…
रोटी नूनक लेल अपन माटिसँ दूर छी हम…
© किसलय कृष्ण
मैथिली जिन्दाबाद परिवार दिस सँ गीतक प्रदर्शन लेल शुभकामना अछि ।
Jul 28, 2020 - 9:42 am
बहुत सुन्दर
Jul 28, 2020 - 12:22 pm
Bahut sunder lagal.