विराटनगर सेवानन्द हत्याकाण्डः वार्ड अध्यक्ष साह केर समर्पण

स्थानीय समाचार

जितेन्द्र ठाकुर, विराटनगर, २८ मई २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!

सेवानन्द हत्या प्रकरण

वडाध्यक्ष साह कयलाह आत्मसमर्पण, बलदेव एखनहुँ फरार

सेवानन्द हत्या प्रकरणमे फरार रहल विराटनगर १८ केर वडाध्यक्ष सञ्जय साह कानून केर सोझाँ आत्मसर्मपण कयलाह अछि ।

एक वर्ष पहिने बेटाक विवाह गछिकय नहि करबाक निहु मे स्थानीय जनप्रतिनिधि लोकनिक संयुक्त उपस्थिति मे कयल गेल पंचायती मे विवाद भेलाक बाद आपस मे मारिपीट आ हिंसाक घटना मे सेवानन्द यादवक मृत्यु भेल छलन्हि, एहि कांड मे फरार भेला तीन वडा अध्यक्ष लोकनि मे सँ संजय साह बुध दिन प्रहरी समक्ष आत्मसमर्पण कयलनि अछि । वडा अध्यक्ष साह इलाका प्रहरी कार्यालय रानी मे स्वयं आबिकय आत्मसमर्पण करबाक जानकारी थानाक प्रहरी निरिक्षक दीपक थापा जानकारी देलनि ।

एहि सँ पूर्व जिल्ला अदालत मोरङमे हाजिर भेल छलाह जहदा गाउँपालिका– १ केर वडा अध्यक्ष प्रदीपचन्द्र यादव केँ पूर्पक्षक लेल कारागार चलान भेल छन्हि ।

अदालतक सूचना अधिकारी युवराज पौडेलक अनुसार साहक बयान लय केँ थुनछेक बहस करबाक तैयारी भऽ गेल अछि । सेवानन्द हत्या प्रकरणमे जहदा गाउँपालिका वडा नम्बर १क वडा अध्यक्ष प्रदिप यादव सहित विराटनगर महानगरपालिका १८ केर वडा अध्यक्ष सञ्जय साह व १४ बलदेव यादव फरार भऽ गेल छलाह । विराटनगर १४क वडा अध्यक्ष बलदेव यादव एखनहुँ फरार रहल छथि । १० जना आरोपी मध्य वडा अध्यक्ष प्रदिप यादव आर विराटनगर १८ केर वडा अध्यक्ष सञ्जय साह सहित विराटनगर १४ केर वडा अध्यक्ष बलदेव यादवक भतीजा दिपेश यादव मात्र अदालतमे हाजिर भेलाह अछि । ७ जन एखनहुँ फरार रहल छथि । यादव हत्या प्रकरणमे विराटनगर महानगरपालिका १४ नम्बर वडा अध्यक्ष बलदेव यादवक बेटा रवीन यादव संग अन्य अभियुक्त (आरोपी) विन्देश्वर यादव, शम्भूप्रसाद यादव, भोलू यादव, विरेश यादव, दिनेशप्रसाद यादव फारार छथि ।

विदित हो जे एहि केस मे विराटनगर १४ केर वडा अध्यक्ष बलदेव यादवक भतीजा दिपेश यादव पहिने सँ पुर्पक्षक लेल करागारमे छथि ।

बेटाक विवाह तय कय केँ बाद मे नकरि जेबाक प्रकरण मे बेटीपक्ष द्वारा जनप्रतिनिधि लोकनिक मौजुदगी मे भेल पंचायतीमे जेठ ३२ गते केँ वडा अध्यक्ष बलदेव यादवक घरमे विराटनगर–१४ केर ५५ वर्षीय सेवानन्द यादव ऊपर निर्घात कूटपीट भेल छलन्हि । कूटपीट सँ घायल यादवक २६ आषाढ केँ कोसी अस्पताल विराटनगरमे मृत्यु भऽ गेल छलन्हि ।

भादव १८ गते स्वयं हाजिर भेल हत्या आरोपी दीपेश यादव सहित सेवानन्द यादवक कर्तव्य ज्यान मुद्दा मोरङ प्रहरीद्वारा मुद्दा अदालतमे चलेलाक बाद थुनछेक बहस शुरू भेल तथा सेवानन्दक आश्रितजन-परिवार द्वारा जिल्ला अदालत समक्ष दुइ दिन धरि नाराबाजी समेत कयल गेल छलैक ।

फोटो कैप्शनः आरोपी वडा अध्यक्ष लोकनि