मैथिली साहित्य-संस्कृतिक उन्नयन मे मधेपुरा जिलाक योगदान

आलेख

– किसलय कृष्ण Kislay Krishna

…..आउ आइ गप्प करैत छी मिथिलाक एकटा प्रमुख जिला मधेपुरा आ मैथिलीक संदर्भमे ।

पहिने भागलपुर आ फेर सहरसा जिलाक भाग रहल मधेपुरा जिला रूपमे ९ मई १९८०केँ अस्तित्वमे आयल । समाजवादी आन्दोलनक केन्द्र रहल ई जिला बी पी मण्डल, बी एन मण्डल, रासबिहारी मण्डल, महावीर प्रसाद यादवक जन्मभूमि हेबाक संगहि आध्यात्मिक रूपेँ सेहो मिथिलाक एकटा महत्वपूर्ण क्षेत्र अछि । भगवान रामक सासुर मिथिलामे से सर्वविदित अछि, मुदा इहो जानब ततबे जरूरी अछि जे रामविवाहसँ पहिनहि हुनक बहिनक विवाह मिथिलामे भेल छल । राजा दशरथक सुपुत्री शान्ताक विवाह प्रसिद्ध ऋषि श्रृंग्यसँ भेल छलनि आ ऋषि श्रृंग्यक निवास वर्तमान मधेपुरा जिलाक श्रृंगेश्वर (वर्तमान सिंघेश्वर) मे छलनि । प्रसिद्ध सिंघेश्वरनाथ महादेवक स्थापना ऋषि श्रृंग्य द्वारा मानल जाइत अछि । तहिना जिलाक चौसा प्रखंड अन्तर्गत बाबा विशु राउतक प्रसिद्ध स्थान अछि, पशुपालक समाजमे ई लोकदेवता रूपमे पूजित छथि आ हिनक लोकगाथा जनकण्ठमे बसैत अछि । आओर कतेको ऐतिहासिक आ पौराणिक पक्ष छैक एहि जिलाक मुदा एखन मैथिली साहित्य आ संस्कृतिक दृष्टियें किछु पड़ताल करी…..।

एहि जिलाक मुरहो गाम निवासी यदुनाथ झा यदुवर मैथिलीक प्रसिद्ध रचनाकार रहथि । हिनक प्रसिद्ध पोथी सभ अछि – मैथिली गीतांजलि, वासन्ती विलास, मिथिला संगीत आदि । ई समाजवादी रासबिहारी मण्डलक परम मित्र आ स्वतंत्रता सेनानी छलाह। हालमे हिनक सभटा रचना यदुवर रचनावली नामसँ डा रमानन्द झा रमणक सम्पादकत्वमे प्रकाशित भेल अछि । तहिना प्रसिद्ध इतिहासकार डा राधाकृष्ण चौधरीक पैतृक मधेपुराक रामपट्टी, जे मैथिली साहित्य पर केन्द्रित इतिहास सहित अनेको पुस्तकक सर्जना कयलनि । रजनी बभनगामाक पुलकित लाल दास मधुर मैथिलीक लोकप्रिय कवि छलाह । ओना ई गद्य आ पद्य दुनूमे रचनाशील छलाह । इहो स्वतंत्रता आन्दोलनक सजग सिपाही छलाह । हिनके गामक नित्यानंद लालदास सेहो मैथिलीमे बहुत रचना कयलनि जे प्रकाशित अछि । तहिना एहि जिलाक अवधलाल झा मुख्तार, मधेपुराक डा जगदीश प्रसाद यादव, सुखासनक पुरूषोत्तमलाल दास, आलमनगरक विद्याकर कवि, धबौलीक सदानन्द झा आदि मैथिली साहित्यक भण्डारक श्रीवृद्धिमे अपन योगदान देलनि । एहि जिलाक बारामे जन्म लेनिहार डा अशोक सिंह तोमर नोरक भाषा, प्रेम परीक्षा आदि कथा संग्रह, उपन्यास लेखन कयने छथि आ एखनहुँ कमोवेश सक्रिय छथि । कुमारखण्ड प्रखण्डवासी डा देवनारायण साहक कतिपय रचना सेहो प्रकाशित छनि आ एकटा शोधग्रंथ सेहो ।
एहिठाम एकटा महत्वपूर्ण नाम मोन पड़ैत अछि सुरेश सिंह स्नेही केर, सुखासन (चकला) निवासी स्नेही जीक स्पन्दन कविता संग्रह आ अन्हार उपन्यास मैथिलीमे प्रकाशित छनि । तहिना मोहनपुर(बिहारीगंज) क डा रामनरेश सिंह मैथिली साहित्यमे आरम्भसँ एखनधरि सक्रिय रहलाह अछि । हिनक कथा, समीक्षा आदि प्रकाशित छनि । एहि गामक डा विमल सिंहक किछु कविता आलेख मैथिलीमे प्रकाशित छनि । एतय मोन पाड़य चाहब मधेपुराक प्रसिद्ध हिन्दी साहित्यकार हरिशंकर श्रीवास्तव शलभ जीकेँ । ओना ई मैथिलीमे लेखन नहि कयलाह, मुदा मिथिलाक लोककथा, पौराणिक कथा सभ पर हिनक काज महत्वपूर्ण रहल अछि । उदाकिशुनगंजक डा अमोल रायक दू गोट पोथी मैथिलीमे प्रकाशित छनि, पहिल मिथिलाक लोकगीत पर केन्द्रित त’ दोसर त्रिविधा । अर्राहा निवासी डा अरूण कुमार सिंहस्वातंत्र्योत्तर मैथिली नाटक एकटा महत्वपूर्ण पोथी अछि । तहिना डा कपिलेश्वर प्रसाद यादवक आलेख, कविता सभ पत्र पत्रिकामे प्रकाशित छनि ।

मैथिली समकालीन कविताक प्रखर स्वर कृष्ण मोहन झाक गाम मधेपुराक जीतपुर छनि । हिनक प्रकाशित पोथीक नाम अछि एकटा हेरायल दुनिया । उदाकिशुनगंजक आनन्दपुर गामवासी विनीत उत्पलक करीब आधा दर्जन पोथी प्रकाशित छनि, हम पुछैत छी हिनक चर्चित कविता संग्रह छनि त’ सिंघेश्वर स्थान, मोहनदास , रेहन फर रग्घू आदि मैथिलीक अनुदित कृति छनि , सम्प्रति मैथिलीक शोधपत्रिका तिरभुक्ति केर सम्पादनसँ जुड़ल छथि । मुरलीगंजक ईसराइन कला वासी हिन्दीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार रामदेव सिंह मैथिलीमे सेहो लिखैत रहलाह अछि । दिल्ली सँ प्रकाशित अन्तिकामे हिनक कथा सभ छपल आ चर्चित भेल । मधेपुराक निरंजन यादव, सियाराम यादव मयंक सिंघेश्वर निवासी शैलेन्द्र स्नेही, बिहारीगंजक मुकुल यादव मैथिली गीत- गजल लिखैत छथि । हिन्दीक फिल्मलेखनसँ जुड़ल सुप्रसिद्ध गीतकार भेलवा गामक रहनिहार राजशेखर मैथिलीमे सेहो कविता गीत आदि लिखैत छथि जे अद्यावधि अप्रकाशित अछि । मधेपुरा कालेज मधेपुराक प्राचार्य डा अशोक यादवक पोथी किर्तिलता के आधार पर विद्यापतिकालीन मिथिला का इतिहास मिथिलाक साहित्य संस्कृति लेल एकटा उपलब्धिमूलक पोथी अछि । आलमनगरक निशान्त मैथिली नाटक बहुरियाक लेखन कयने छथि । बरदाहाक अनुज अलभ्य मैथिलीक सुइढ़ गीतकार छथि । मधेपुराक प्रदीप कुमार झा दैनिक जागरणमे मैथिलीक स्तम्भ लेखन करैत रहलाह अछि आ आर कतेको नाम विभिन्न रूपेँ मैथिली साहित्यक सेवामे संलग्न रहलाह अछि ।

मैथिली रंगमंचक क्षेत्रमे मधेपुरा जिलाक जीतेन्द्र जीतू, संजीव कुमार, सृष्टि आनन्द आदि राष्ट्रीय फलक पर अपन सशक्त उपस्थिति दर्ज करा चुकल छथि । मैथिली गायनक क्षेत्रमे प्रिया राज एकटा सुप्रसिद्ध नाम बनि चुकल छथि, तहिना राधिका मिश्रा मैथिली गीतक नवोदित नाम अछि, एकर संग अनेको नाम अछि जे प्रत्यक्ष अप्रत्यक्ष रूपें मातृभाषा आ संस्कृतिक सेवामे लागल छथि…।

नोट : ई एकटा आधार लेख अछि, विस्तृत शीघ्र मैथिलीक एकटा पत्रिकामे प्रकाश्य ।