कोटा सँ सब बच्चा केर घर वापसी हो – ट्वीटर पर ट्रेन्ड कय रहल अछि मिथिलावादीक अभियान

दरभंगा, १८ अप्रैल २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!

एखन कोरोना महामारी के कारण स पूरा विश्व हलकान अछि। भारत में सेहो लॉकडाउन के दोसर क्रम चलि रहल अछि। सोशल डिस्टेंसिंग के अहि बिमारी स बचाव के मुख्य तरीका मानल जा रहल अछि।
 
अहाँ सबके जनतब होयत जे राजस्थानक कोटा शहर इंजीनियरिंग आ मेडिकल प्रवेश परीक्षाक तैयारी के लेल एकटा महत्वपूर्ण जगह अछि। बिहार के विभिन्न भाग स छात्र लोकैन कोटा जाइ छथि।
 
कोरोना के कारण कोटा में रहि रहल बच्चा सब के माता-पिता चिंता में छथि। राजस्थान के मुख्यमंत्री अशोक गहलोत सब राज्य सरकार स आग्रह कएलनि अछि जे अपना एतुका बच्चा के ल जाइ जाऊ।
 
उत्तर प्रदेश के योगी सरकार द्वारा 300 बस स उत्तर प्रदेश के बच्चा सबके कोटा स निकालबाक बाद बिहार सरकार पर सेहो बिहारक बच्चा के घर अनबाक दबाव बढ़ि गेल अछि।
 
ट्वीटर के द्वारा बिहार सरकार पर दवाब बनेबाक मुहिम चलि रहल अछि। चौदह-पंद्रह साल के बच्चा सब कोटा स अपना माता-पिता के फोन क के घर एबाक व्यवस्था करबाक निहोरा क रहला अछि।
ट्वीटर बेस प्रभावी जरिया अछि कोनो मुहिम लेल। ट्रेन्डिंग लेल हैश टैग संग कोनो आन्दोलन द्वारा सम्बन्धित निकायक ध्यानाकर्षण लेल एहि सँ बेसी उपयुक्त माध्यम दोसर कोनो नहि, कारण प्रधानमंत्री सँ लैत साधारण मंत्री आ राज्य सरकारक प्रशासनिक ईकाई केर पदाधिकारी लोकनि सब कियो सोशल मीडियाक ट्वीटर हैन्डिल पर बेस सक्रिय रहैत छथि। बहुत कम शब्द मे सम्पूर्ण यथास्थिति केँ राखि अपन मांग हुनका सब धरि पहुँचायल जाइत अछि। एहि भावनाक संग कोटा सँ बिहार सम्पूर्ण बच्चा केँ अपन घर धरि सुरक्षित अनबाक लेल बिहार सरकार पर दबाव बनेबाक जनतब शिक्षाविद् एवं मिथिलावाद केर प्रखर समर्थक – अभियानी राजेश झा ई जनतब मैथिली जिन्दाबाद केँ देलनि।
विदित हो जे हालहि सोशल मीडिया पर सम्पूर्ण मैथिलजन सँ मिथिलाक सरोकारक बात सम्बन्धित राज्य पक्ष धरि शीघ्र पहुँचेबाक लेल ट्वीटर पर एकाउन्ट खोलबाक तथा एक-दोसर केँ फौलो करबाक अपील सेहो राजेश झा, अनुप चौधरी, आदि कतेको मिथिलावादी अभियानी लोकनि द्वारा जारी कयल गेल छल। हैश टैग #Mithila_Will_Rise अभियान सेहो चलायल गेल छल जेकरा मिथिलाक करोड़ों सोशल मीडिया यूजर काफी समर्थन दैत ट्रेन्ड करौने रहथि।
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

9 + 4 =