मैथिली मनोरंजनक दुनिया मे गीत-संगीतः नितिन गजूरेलक नव सनेश पर विद्यानन्द बेदर्दीक रिपोर्ट

मनोरंजन – गीत-संगीत

– विद्यानन्द बेदर्दी

मैथिली सङ्गीत आकासमे नव ताराक उदय पहिल Music Video सँ,शीघ्र release भऽ रहल अछि।

“चान सन रूप ई देखि देखि,
मिलैय अइ जिनगीमे आराम
अप्पन दिलके डायरीमे
लहू क’ कलमसँ,
लिखि देलौँ अहीँकेर नाम
सङ्ग छोड़ब नइ
कहैछी कसमसँ,
मिलि सजेबै हम सपनाके गाम “
सिरहा, मिर्चैया हाल: विराटनगर, मोरङ्ग रहनिहार (जिनक कर्णप्रिय स्वर, दर्जनो नेपाली भाषाक एलवममे रेकर्ड भऽ चहुओर लोकप्रियता हासिल कऽ लेने अछि) पहिल मैथिली गीति सनेश ‘दिलके डायरी’ के सङ्ग गायक नितिन गजूरेलक आगमन हुअ जा रहल अछि। नितिन गजूरेलक स्वर आ संगीत कम्पोजिसन,नेपालक सुप्रसिद्ध संगीतकार भूपेन्द्र राय माझीक संगीत एरेन्जमेन्ट आ मैथिली संगीतके चर्चित युवा गीतकार (पूर्वाञ्चल क्याम्पस धरान तेसर वर्ष अध्ययनरत) विद्यानन्द वेदर्दीक शब्दमे ‘दिलके डायरी’ के ऑडियो कातिक ०२ के मैथिलीक सर्वप्रिय कार्यक्रम धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ रूपा झाद्वारा संचालित ‘हेल्लो मिथिला’ सँ रिलीज कएल गेल।
 
नितिन गजूरेल कहै छथि :- “हमर खूनमे जनमेसँ मिथिला-मैथिली प्रति प्रेम छै। हम जन्मलौँ,खेललौँ-धुपलौँ मैथिलीए भाषी सब सङ्ग। हमर नेपाली टॅनसँ नीक मैथिलीए अबैछै जना अपनाके बूझाइय। हम मैथिली भाषाक सङ्गीतमे सृजनात्मक कार्य करऽ चाहैत छी। ई हमर पहिल प्रयास छी,बहुतरास बातक त्रुटी भऽ सकैत अछि सुझाब सल्लाह देब अगामी यात्रा लेल आओर नीक करबाक पूर्णत: साधना करब आ आब निरन्तर मैथिली गीत सब निकालैत रहब। संगीतसँ नेपाली आ मैथिली भाषाके जोड़ऽ चाहैत छी। अखनक मैथिलीमे बेसी प्यारोडी आ अश्लीलता भऽ रहल अछि,मुदा किछू उत्कृष्ट सेहो। शब्द ई गीत आ भिडियो मैथिली संगीतके एकटा नविनतम आयाम कायम करत आ ई गीति-भिडियोसँ थप सृजनात्मकता लेल प्रेरित करत से पूर्ण विश्वास अछि। ‘
 
ई म्यूजिक भिडियो – चर्चित कलाकार: कमल सिंह, चर्चित नायिका समिक्षा पोखरेल आ गायक नितिन गजूरेलद्वारा अभिनित कएल गेल अछि। चर्चित नृत्य निर्देशक रेयन कार्कीद्वारा निर्देशन कएल गेल अछि। कोरियोग्राफी सुरेन्द्र बसेल केने छथि। प्रस्तुति : विद्यानन्द वेदर्दीके अछि त आ पोस्ट प्रोडक्सन एभि नेपालके अछि।