सिरहा मे बढैत आपराधिक गतिविधि: फेर भेल गाँजा तस्कर गिरफ्तार आ युवक केर हत्या

समाचार स्रोत: दिनेश्वर गुप्ता, नवसंग्राम

gaanjaaविगत किछु वर्ष मे आन्दोलनक अलग-अलग स्वरूप सँ त्रस्त नेपाल मे कोनो राजनीतिक निकास हाल धरि नहि निकैल सकल अछि। लेकिन वर्चस्व केर लड़ाई आ जनआन्दोलन तथा मुक्ति आन्दोलन केर नाम पर आम जनमानस केँ सतेबाक प्रवृत्ति यत्र-तत्र-सर्वत्र बढि गेल अछि। जाहि नेपालक पूलिसिया प्रशासन एतेक टाइट होइत छल जे लोक थानाक नाम सुनिते भयाक्रान्त भऽ जाय, ततय कानून-व्यवस्थाक संग नेतागिरी कएनिहार व्यक्ति, दल तथा पैरवीक चापक संग देश मे विद्यमान संवैधानिक संक्रमणकाल सँ सेहो आपराधिक गतिविधि मे उल्लेखणीय वृद्धि देखल गेल अछि।

उपरोक्त समाचार स्रोत सँ पता चलल अछि जे सिरहाक विष्णुपुर कट्टी सँ किछु गाँजा तस्कर केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि। सुराकी द्वारा देल खबैड़ मुताबिक गाँजाक तस्कर सब तैयार खेप भारत पहुँचेबाक अवस्था मे बुझि पूलिस प्रशासन द्वारा छापामारी कैल गेल। तस्कर सब करीब पाँच राउन्ड गोली सेहो चलेलक। लेकिन पूलिस प्रशासन चुस्ती सँ तीन राउन्ड गोली सेहो चलबैत २ तस्कर केँ करीब ८६ किलो गाँजा आ एक अटोमेटिक अमेरिकन पेस्तोल तथा ६ राउन्ड गोली सहित पकैड़ लेलक।

तहिना एक दोसर समाचार मे कहल गेल अछि जे लहान सँ सटले गोल-बाजार मे एक २२ वर्षीय युवक केँ हाथक नस, गर्दैनक नस आदि काटि लहूलूहान बनाय हत्या कय ओहि ठामक थाना सँ सटले २०० मीटर के भीतरे लास घसीटकय लऽ जाइत एक गाछ मे टांगि देल गेल। पूलिस प्रशासन द्वारा हत्याक कारण व हत्याराक पता लगेबाक लेल छानबीन कैल जा रहल अछि। एहेन जघन्य आपाराधिक वृत्ति सँ सिरहा जिला काफी त्रस्त बुझाइत अछि।