कोरोना वायरस केर चपेट में मैथिल सम्मेलन, निर्धारित तिथि २८-२९ मार्च स्थगित

७ मार्च २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!

आगामी २८ आ २९ मार्च २०२० केँ दिल्ली स्थित विज्ञान भवन में प्रस्तावित आयोजन “प्रथम विश्व मैथिल सम्मेलन” अनिश्चित काल लेल स्थगित कयल गेल अछि। आयोजक संस्था अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा जारी विज्ञप्ति सूचना अनुसार कोरोना वायरस केर संक्रमण सँ विभिन्न देश सँ अपेक्षित अतिथि लोकनिक यात्रा प्रभावित हेबाक कारण ई स्थगन कयल गेल कहल गेल अछि।

विदिते अछि जे कोरोना वायरस चीन केर वुहान – हेबेई प्रान्त सँ आरम्भ भऽ एखन विश्व भरिक कइएक देश मे पसैर गेल अछि। भारतक राजधानी दिल्ली व केरला मे सेहो हाल धरि एकर संक्रमण गोटेक लोक मे देखल जा रहल अछि। एहि खतरनाक वायरस केर संक्रमण सँ लोक केँ बचेबाक लेल कइएक तरहक परामर्श, निर्देशन आदि सरकार द्वारा सेहो जारी कयल गेल अछि। विश्व मैथिल सम्मेलन मे सेहो विभिन्न देश सँ अतिथि आयब अपेक्षित छलाह। संगहि प्रधानमंत्री एवं राष्ट्रपति केर सहभागिता सेहो एहि सम्मेलन लेल अपेक्षित छल। परञ्च कोरोना वायरस केर संक्रमणक दौर मे ई सब किछु अनिश्चित होयबाक चलते हाल लेल निर्धारित तिथि केँ स्थगित कय आब नवका तारीख स्थिति सामान्य भेलाक बाद आयोजक द्वारा जारी कयल जेबाक बात कहल गेल अछि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

8 + 2 =