अल डोसरी पार्कमे सम्पन्न भेल- हेल्प मधेशी दोहा कतारक दोसर अधिवेशन

विन्देश्वर ठाकुर, दोहा। ९ नवम्बर २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि शुक्र दिन दोहा कतारक सहानिया स्थित रहल अल डोसरी पार्कमे हेल्प मधेशी दोहा कतारक दोसर अधिवेशन सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि। एहि अधिवेशन सँ अध्यक्ष पद लेल सेवक राम कल्याण महतो जीक चयन कएल गेल अछि। कार्यक्रम चन्द्रवीर कुमार यादव द्वारा संचालन कएल गेल छल त शिव कुमार महतो स्वागत मन्तव्य रखने छलथि।

कार्यक्रममे दोहा, सनैया, अलखोर, जमेलिया, दुखान, रैयान, माइजर लगायतके दूर दूर सँ आएल लगभग ५०० सँ बेसी मधेशी जन समुदायके जमघट छल। कार्यक्रम बिहान ११ बजे देखि ६ बजेधरि चलल छ्ल। कार्यक्रममे एन आर एन सचिव अफसर अलि, ग्लोबल मधेशी एसोसिएसन केर वीरेन्द्र साह, धनुषा सेवा समाजक जमिर नदाफ, मौलिक जरा किलो पार्टी केर राम अधीन राय, नेपाल मुश्लिम समाजक मो. सद्दाम हुसैन, संस्कार नेपाल केर चन्द्रमोहन साह, सबैला समितिक सुभाष साह, सर्लाही साझा सम्पर्क समिती केर रामानन्द गुप्ता, धानुख सेवा समाज कतारक अध्यक्ष जय राम मंडल, एन आर एन एन सीसी केर सदस्य सुरेश मंडल, “सम्मान मधेश” कतारक अध्यक्ष श्रीप्रताप शाह, समाजसेवी तथा व्यवसायी जगत लाल मंडल, याकुब राइन लगायतके वक्तासब हेल्प मधेशी बारे अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि।

हेल्प मधेसी कतारक नया कार्य समितिमे अध्यक्ष पद लेल सेवक राम कल्याण महतोक मनोनित कएल गेल अछि। तहिना वरिष्ठ उपाध्यक्ष विशेश्वर प्रसाद यादव, सह उपाध्यक्ष जीबछ पासवान, शिव कुमार महतो, गिरिधारी गुरमैता कोषाअध्यक्ष, राम कुमार यादव, सह कोषाध्यक्ष देवेन्द्र कुमार ठाकुर, सन्तोष साह, लाल बाबू साह, दिनेश साह, सुरेश मंडल, सचिव प्रदीप कुमार ठाकुर, सह सचिव वीरेन्द्र पासवान, उपेन्द्र दास, जय किशोर मंडल, इशिलाल पंडित, प्रवक्ता राम अधीन यादव, मीडिया संयोजक रविन्द्र उदासी माली, धनेश्वर ठाकुर, ओम प्रकाश यादव, बिन्देश्वर ठाकुर, बद्री नाथ झा वरिष्ठ सल्लाहकार, ई. दिनेश साह सलाहकार, राम जन्म शर्मा, उमेश यादव, रामानन्द गुप्ता लगायतक सदस्यसब रहल अछि। एहि क्रममे अन्तर्राष्ट्रिय संयोजकमे निवर्तमान अध्यक्ष पवन ठाकुरक चयन कएल गेल अछि। तहिना अपन अपन काजक मूल्यांकन करैत विभिन्न सेवक लोकनिके सम्मान आ प्रमाण पत्र वितरण सेहो कएलक अछि।

आयोजित एहि कार्यक्रममे नास्तामे ठकुवा, जिलेवी, लालमोहन, केरा, तरकारी, तीलक चटनीक व्यवस्था कएल गेल छल त खानामे शुद्ध मैथिल परिकार दालि, भात, तरकारी, तील के चटनी, पापड़, तरुवा आ दही-चिनी रहल छल। एकर अतिरिक्त कार्यक्रममे मनोरंजनक निमित्त विनय झा द्वारा मिथिला वर्णन गीत आ धनेश्वर ठाकुर, राम अधीन सम्भव द्वारा कविता/गजल सुनाएल गेल छल। एक गोट बौवाद्वारा मैथिली गीत पर नृत्य सेहो कएल गेल। कार्यक्रक अन्तमे अलदोसरी पार्क केर सन्स्थापक जी द्वारा शुभकामना प्रदान कएल गेल। तहिना मैथिली गीत धोती कुर्ता गमछा हमर पहिचान छै पर सबगोटे नीक सँ झुमल छल। कार्यक्रम केर समापन उक्त सभाक सभापती पवन ठाकुर केने छलथि।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

7 + 9 =