पटना मे वर्षाक जलजमाव सँ उत्पन्न बाढि सन स्थिति मे मानवीय सहायताक अपील

पटना मे बाढिक अवस्था आ स्वयंसेवी मार्फत सहयोग लेल अपील
 
ई संवाद कनी देरी सँ लिखय लेल क्षमायाचनाक संग….
 
बिहारक राजधानी पटना मे निरन्तर वर्षा आ जलजमावक कारण जनजीवन त्रस्त अछि। किछु क्षेत्र मे पानि एतेक लागि गेल अछि जे घर सँ बाहर निकलनाय तक लोक लेल आफद भेल छैक। जलनिकासीक सारा इन्तजाम फेल छैक, कारण पटनाक निचला भाग सँ जे सब नदी आदि बहि रहल अछि से सब ऊफान पर अछि, जलग्रहण क्षेत्र स्वयं ऊफान पर रहत त स्वाभाविके जलबहाव रुकि जाइत अछि। एहि तरहें सड़क आ आवासीय क्षेत्र सबटा जलजमाव सँ त्रस्त अछि। सरकार सेहो असहाय आ केवल एनडीआरएफ केर सहारे लोक सब केँ राहत पहुँचेबाक प्रयास कय रहल अछि। लेकिन विपत्तिक घड़ी मे ई सब राहत आवश्यकता मे रहल विशाल जनमानस धरि नहि पहुँचि पाबि रहल अछि। आर, एहि लेल मिथिला स्टुडेन्ट यूनियनक स्वयंसेवी सहित आरो कतेको लोक स्वयंसेवाक काज कय रहला अछि। हमरा सभक अग्रज Ajit Azad बड़ा नजदीक सऽ एहि राहत व्यवस्था आ स्वयंसेवा लेल समर्पित स्वयंसेवी लोकनिक संग सहकार्य करैत महत्वपूर्ण कार्य कय रहला अछि। आदरणीय जेठ भ्राता Kishore Choudhary भाइजी, Aruna Choudhary दीदी आ चेतना समितिक द्वारा सेहो एहि दिशा मे महत्वपूर्ण कार्य सब, फँसल लोक केँ घर सँ निकालय सँ लैत राहत सामग्री पहुँचेबाक कार्य आपस मे मिलिजुलि केँ कय रहल छथि। आदरणीया Sharda Sinha मैडम सेहो एहि तरहक त्रासदीपूर्ण अवस्थाक कारण एयर लिफ्टिंग करैत जान बचेबाक इन्तजामक आह्वान तक कय चुकली, सहजहि बुझय योग्य बात छैक जे बड़का महल सँ लैत छोट-छोट झुग्गी-झोपड़ी मे रहनिहार तक एहि जलजमावक कारणे परेशान भेलथि। लेकिन इन्द्र-देवता काल्हि सँ दया कयलन्हि आर स्थिति धीरे-धीरे सामान्य होयबा दिश उन्मुख अछि।
 
तथापि, जे कियो सेवादान मे लागल छथि, ताहि समस्त स्वयंसेवी केँ हमर नमन….! संगहि आरो-आरो स्वयंसेवी तथा सहयोग मे राहत सामग्री उपलब्ध करबैत एहि संकट सँ मानव-मानव सहयोग बढय, से आह्वान करैत छी।
 
हरिः हरः!!
पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

6 + 6 =