उग्रतारा महोत्सवक भव्य शुभारंभ – मिथिलाक्षेत्रक विशिष्टता सँ विश्व केँ परिचय मुख्य उद्देश्य
अजय कुमार, ३० सितम्बर २०१९, सहरसा. मैथिली जिन्दाबाद!!
महिषी मे तीन दिवसीय उग्रतारा महोत्सव केर डीआइजी, डीएम द्वारा कयल गेल उद्घाटन

महिषी वेद अध्ययन केन्द्र केर छात्र लोकनि द्वारा वेद पाठ, स्वस्ति वाचन कयल गेल । मुक्तेश्वर सिंह मुकेश केर मंच संचालन मे चलल ई कार्यक्रम मे सब अतिथि लोकनि केँ मिथिला संस्कृतिक अनुसार पाग चादर एवं मखानक माला दय केँ सम्मानित कयल गेलनि। तत्पश्चात महोत्सव केर आयोजन केँ लय केँ प्रकाशित स्मारिका ‘धरोहर’ केर विमोचन कयल गेल।
कार्यक्रम केँ संबोधित करैत मुख्य अतिथि डीआईजी श्री चौधरी कहलनि जे महिषी ज्ञान केर धरती थिक। जतय एक सँ बढिकय एक विद्वान् व विदुषी भेलीह । एतय आबिकय काफी गौरवान्वित अनुभूति कय रहल छी। ओ कहलखिन जे बंगाल स्थित तारापीठ और उग्रतारा स्थान दुनू शक्ति पीठ सिद्धस्थल थिक। पर्यटन विभाग केर माध्यम सँ मिथिलाक संस्कृति केँ अधिक सऽ अधिक लोक धरि उजागर कयल जायत। जिलाधिकारी श्रीमती शर्मा बजलीह जे उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केर मुख्य उद्देश्य मिथिलाक संस्कृति केर पुनर्जागरण अछि। ई कोसी इलाका बाढ़िक विभिषिका सँ त्रसित होयबाक बादो एतुका लोकक मनोबल काफी ऊँच अछि। एहि धाम केँ विकसित करबाक लेल जिला प्रशासन प्रतिबद्ध अछि। एकरे निरन्तरता देबाक क्रम मे एहि महोत्सव सँ एकटा वेबसाइट सेहो लाॅन्च कयल गेल अछि। एहिपर ऐतिहासिक, अध्यात्मिक, धार्मिक, प्रतिवर्ष होयवला सेमिनार केर भाषण, व्याख्यान तथा न्यास केर समस्त जानकारी उपलब्ध करायल गेल अछि। उद्घाटन सत्र मे आरो विशिष्ट वक्ता लोकनि अपन विचार रखने छलाह।

एहि अवसर पर डीडीसी राजेश कुमार सिंह, सदर एसडीओ शंभु नाथ झा, एसडीपीओ प्रभाकर तिवारी, जिला शिक्षा अधिकारी जटाशंकर झा, दिलीप चौधरी, पवन झा, प्रमील कुमार मिश्र सहित बहुत पैघ संख्या मे ग्रामीण लोकनिक उपस्थिती रहल।