काल्हि दिल्ली मे होयत हरिमोहन स्मृति समारोह

दिल्ली, १७ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारतक राजधानी दिल्ली मे काल्हि १८ सितम्बर २०१९ बुद्धदिन स्वर्गीये प्रोफेसर हरिमोहन झा केर “जन्मदिवस” पर “अखिल भारतीय मिथिला संघ, नई दिल्ली” द्वारा “गांधी शांति प्रतिष्ठान” दीन दयाल उपाध्याय मार्ग, आईटीओ चौक केर नजदीक, नई दिल्ली – ११०००२” मे “हरिमोहन स्मृति समारोह” संध्या ५ बजे सँ राखल गेल अछि । एहि कार्यक्रम में अपने लोकनि केँ समस्त इष्ट मित्रक संग सादर आमंत्रित कयल गेल अछि ।
कथा सम्राट स्व• प्रो• हरिमोहन झा मैथिली साहित्य केँ लोकप्रियताक चरम पर पहुँचौलन्हि । अभामिसं परिवार अपन एहि विभूति केर अवतरण दिवस पर हुनकर विशेष स्मृति समारोहक आयोजन में अपने लोकनि कें सादर हकार दैत अछि । सबकियो अवश्य आउ । जय मिथिला, जय मैथिली, जय माँ जानकी । उपरोक्त सूचना धीरेन्द्र कुमार झा द्वारा देल गेल अछि । मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो समस्त एनसीआर – दिल्लीवासी सँ आह्वान अछि जे एहि महत्वपूर्ण कार्यक्रम मे जरूर सहभागी बनू आर अपन मातृभाषाक पुरोधा पुरूषक स्मृतिगान करू ।

पूर्वक लेख
बादक लेख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

4 + 3 =