अपन मिथिलाक माटि-पानि सँ बनल बेटी द्वारा आनलाइन प्रशिक्षण देबाक महत्वपूर्ण कार्य (अन्तर्वार्ता)

अन्तर्वार्ता

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा मिथिलाक एक बेटी जे आनलाइन क्लास चलाकय अपन मिथिला आ देशक आनहु भागक लोक केँ विशेष रूप सँ नेट क्वालिफाई करबाक तैयारी करबैत छथि, विदेशक छात्र-छात्रा वा मुमुक्षु लोकनि केँ अंग्रेजी सिखेबाक कार्य करैत छथि, आर ई सब कार्य ओ अपन घरहि बैसि आनलाइन माध्यम सँ अपन प्रतिभाक उपयोग कय केँ करैत छथि – हुनका संग एक गोट महत्वपूर्ण अन्तर्वार्ता लेल गेल अछि। मिथिलाक ग्रामीण परिवेश सँ प्रारम्भिक शिक्षा-दीक्षा लेलाक बाद पटना सँ उच्च अध्ययन करैत आइ इंजीनियर पतिक संग पतिक प्रोत्साहन अनुसार अपना मे रहल प्रतिभा सँ दोसर केँ उठेबाक-बढेबाक प्रयत्न कयनिहाइर एक युवा मैथिल महिला संग ई अन्तर्वार्ता सरोकारवाला लेल उपयोगी होयत। खासकय नेट परीक्षा उत्तीर्ण करय मे तथा व्यक्तित्व विकास सहित अंग्रेजी भाषाक ज्ञानार्जन मे सेहो उल्लेखनीय सहयोग करैत छथि स्नेहा, हुनका संग एक अन्तर्वार्ता एतय आमजन केँ विशेष जानकारी देबाक निमित्त प्रकाशित कयल जा रहल अछि। विदित हो जे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक संग स्नेहा ‘मिथिला आन्दोलन’ पेज मार्फत सम्पर्क करैत ई सब जानकारी करौलीह जेकर लाभ आम मैथिलजन केँ भेटनि। अस्तु, आउ परिचित होइत छी एक टैलेन्टेड यूथ ‘स्नेहा’ संगः

१. अपन परिचय केना देब मैथिली पाठक केँ?

उ. हमर नाम स्नेहा अछि । हमर जन्म अकौर बेनीपट्टी में भेल । हम अपन ऑनलाइन क्लास चलबै छी । जत हम देश भर के विद्यार्थी के नेट qualify कर में मदद करै छी। हम हुनका सब के pdf, audio और video के मदद स घर बैसल coaching दइ छी । साथ ही हम महिला सशक्तीकरण के लेल विभिन्न न्यूज वेबसाइट और पोर्टल पर आलेख सेहो लिखय छी । और हम किताब के समीक्षा सेहो करैत छी । अलग अलग review website के लेल और स्वतंत्र रूप सँ सेहो । साथ ही हम विदेश के स्टूडेंट केँ इंग्लिश सिखबैत छी । हमर WhatsApp आर fb group सऽ करीब 10-12 देश के लोक जुड़ल छथि जिन्कर first language english नै छैन ।

२. अपन प्रारम्भिक शिक्षा-दीक्षा आ पारिवारिक एवं ग्रामीण परिवेश पर किछु बताउ।

उ. हमर प्रारम्भ के शिक्षा ओतय हमर पापा के विद्यालय मे भेल। हमर पिता school चलबै छथि साथ ही sociology के प्रोफेसर सेहो छथि।हमर बचपन गाँव मे बीतल अछि और हम अखनो गाँव सऽ बहुते जुड़ल रहैत छी । बाद में हम पटना यूनिवर्सिटी स +2 और graduation केलौ और ignou सा post graduation । फेर हमर बियाह भ गेल और हम उदयपुर आबि गेलउँ । हमर पति एतय हिन्दुस्तान जिन्क में Electrical engineer छथि । हमर सासुर दरभंगा अछि । पति केर प्रोत्साहन पर हम नेट के तैयारी शुरु केलौं । और 2017 में English literature में नेट qualify केलौं । हम IIT MADRAS स feminist writing में postgraduate Diploma केने छी । अखन हम ELFU (English and Foreign language university, Hyderabad) सँ PGCTE क रहल छी । साथ ही हम phd सेहो करय जा रहल छी अहि सालक अन्त स ।

३. नेट क्वालिफाई करय मे सहयोग कय सकब, कनेक विस्तार सँ कहू।

उ. हमरा नेट के तैयारी करबाक दौरान पता चलल जे एखनहुँ हमर देश में नेट केर लेल कोनो नीक coaching नै अछि । साथ ही नहि कियो guide करयवला कतहु उपलब्ध होइछ । हमरा बहुत परेशानी भेल ।  हमर नेट qualify कर के बाद बहुत गोट student हमरा approach केलैथ मदद लेल । हुनके लोकनिक आग्रह पर हम अपन क्लास स्टार्ट केलौं । हमर क्लास केर आब एक साल भ गेल और अन्तिम दू नेट में हमर बिद्यार्थी बहुत नीक रिजल्ट अनलैथ । हम हुनका सब केँ pdf, audio और video केर मदद सँ घर बैसल coaching देबनि जाहि सँ ओ कतहु सँ coaching केर लाभ उठा सकैत छथि ।

४. अहाँ वर्तमान समय मे आर कोन पेशा मे छी आर एकर लाभ अपन मातृभूमि मिथिला केँ कोना देब?

उ. हम एखन अपन क्लास पर ही समस्त ध्यान देने छी । और चाहैत छी कि अपन मिथिला केर विद्यार्थी सब सेहो एहि सँ लाभ उठाबथि और हमरा संग जुड़थि । हम सब पाठक और अपने सभक माध्यम सँ सबसँ निवेदन करय चाहैत छी कि अगर अहां कोनो विद्यार्थी केँ जनैत छी जे
M A english या Net के तैयारी करैत छथि तऽ हमरा सँ सम्पर्क करू वा करबाउ । हम हर तरह के मदद करब ।

५. मैथिल महिला लोकनिक वर्तमान अवस्था पर अहाँक दु शब्द?

उ. हम बस यैह कहब जे औरत चाहय तऽ किछुओ कय सकैत अछि। तैं आत्मनिर्भर बनू और जतय कतहु भऽ सकय, दोसर महिला केँ जरूर मदद करू । संग मिलिकय हम सब अपन मिथिला केँ और आगाँ लय जा सकैत छी ।

६. अहाँ संग इच्छूक उम्मीदवार लोकनि सम्पर्क कोना करता?

उ. हमर व्हाट्सअप नंबर शेयर कय देल जाउ । हुनका सभक लेल अपन व्हाट्सअप नंबर दय रहल छी – +919680771057 ।